
दलान न्यूज । बहुत समयके प्रतिक्षाक बाद मैथिली भाषामे निर्माण भेल राजा सलहेस नामक ऐतिहाक सिनेमा बनल अइछ ।
लगभग दू करोडके लागतमे निर्माण भेल ई फिल्म इतिहास रचएमे सफल हेतै से विश्वास कएल जा रहल छै । ई फिल्म दिल्ली सहित उत्तर बिहारके सिनेमा हल सबमे धुम मचा रहल अइछ से जानकारी निर्माण टिमद्वारा देल गेल अइछ ।
सी.एन. झाद्वारा निर्मित ई फिल्म नेपालके दर्शक सभक बीच सेहो ल जेबाक प्रयास भ रहल छै । एकर लेल नेपालके सेंसर बोर्डस’ अनुमती ल कए सलहेस प्रदर्शनमे लाबल जाएत ।
सिनेमाके माध्यमस’ समाजमे राजा सलहेसके योगदान आ संघर्षके विषयमे दर्शाएल गेल छै । मिथिलाके विभूति राजा सलहेसके जीवनपर आधारित फिल्म बनाके मैथिलीके लेल प्रशंसनीय काज भेल अइछ । प्रसिद्ध साहित्यकार रामनारायण देवके अनुसार राजा सलहेसके जन्म नेपालके मधेश प्रदेशमे परएवाला सिरहा जिलाके महिसौथा गाममे पाँचम शताब्दीमे भेल छलै ।
ओइठाम सलहेस अखडाहा छै । जतए ओ कुश्ती खेलाइत छलै । ओतै सलहेसक गहवर छै । सलहेस गाथामे चारिटा प्रेमिकाकें नाम उल्लेख कयल गेल छै । जेना- दौना, कुसुमा, हिरिया आ जिरीया । कतौकतौ रेश्मा मालिनीके नाम सेहो आबै छै । मालिनी सबके पिता महेश्वर भण्डारी रहै । ओ तरेगना गढके राजा छलै । सलहेसस’ सम्बन्धित पकडिया गढ, मानिकदह पतारी पोखरी, महिसौथा इत्यादि स्थानसब सिरहा जिलामे परै छै ।