
एखन गर्मीक समय छै । तापमान बढलाके कारणें गर्मीक अनुभूती सेहो होइ छै । जैके कारण हमर अहाँके दिनचर्या कष्टकर बैन जाइ छै । तै खातिर हमर अहाँके गर्मीस’ बचैके खातिर सावधानी अपनेनाइँ आवश्यक छै ।
सकभर उज्जर वा फिक्का रङ्गके सुतीक कपडा लगाबू । शरीरमे पाइनके मात्रा कम नहि होइ एकरा लेल बेरबेर पाइन वा झोरगर चिज पिबू । तरबुज, कँकड़ी जँका रसदार फलफूल खाऊ ।
खासक दिनके १२ बजेसऽ ४ बजेक बीचके समयमे सकभर घरसँ बाहर नहि निकलु । बाहर जाइए परए तऽ छाता वा टोपी लगाबू ।
सूरुजक किरिणसँ आँइखकें बचेबाक लेल सकभर “सनग्लास”लगाबू । गर्मीके कारण चक्कर लगनाइ, उल्टी होय जँका मन भेनाइ, माथा दुखेनाइ आ थकान लागनाइ जँका समस्या ऐलापर ठण्डा हावादार जगहमे आराम करु । ठीक नहि भेलापर वा बेसी समयधरि असहज महशुस होइत रहलापर चिकित्सकके सम्पर्कमे जेबाक चाही । सावधानी अपनाबैत अपन जीवनके स्वस्थ आ सहज बनाबू ।