मधेश प्रदेशमे महिलास’ बेसी पुरुष


संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपालके संरचनामे सातटा प्रदेशके संरचना बनाएल गेल छै । देशमे तीन तहके सरकार केन्द्रमे संघीय सरकार, प्रदेश सरकार आ स्थानीय सरकार रहल छै । संघीय सरकार, ७ टा प्रदेश सरकार आ ७५३ टा स्थानीय तहके स्थानीय सरकार सञ्चालनमे छै ।
मधेश प्रदेशमे पहिलबेर वि.स. २०७४ फाल्गुन ३ गते मुख्यमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्को कार्यालय सहित मन्त्री परिषद् गठन भेल छलै । मधेश प्रदेशको स्थायी राजधानी जनकपुरधामके जनकपुर चूरोट कम्पनी लिमिटेड भित्तर स्थापना कएल गेल छै । भवन परिसरके संक्षिप्तमे जचुकाली तथा सिगरेट फैक्ट्री कैहके चिन्हल जाइ छै ।

मधेश प्रदेशमे आठ जिला परै छै । जैमे सप्तरी, सिरहा, धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट, बारा आ पर्सा छै । मधेश प्रदेश नेपालके कुल क्षेत्रफलके ६.५ प्रतिशत भूभाग परै छै । प्रदेशके सबस’ नम्हर जिल्ला सप्तरी (१,३६३ वर्ग कि.मि.) आ छोट जिल्ला महोत्तरी (१,००२ वर्ग कि.मि.) रहल छै ।

मधेश प्रदेशमे हिन्दु धर्मालम्बीसबके बाहुल्य छै । अइ प्रदेशमे इस्लाम, बौद्ध आ इसाई धर्मालम्बीसबके सेहो बसोबास छै । मैथिली मातृभाषीको बाहुल्य रहल अइ प्रदेशमे भोजपुरी, बज्जिका, नेपाली, थारु, मगही, अवधी, तामाङ इत्यादि भाषासब सेहो बाजल जाइ छै । प्रदेशमे यातायात, विद्युत आ सञ्चारके सुविधामे सहज पहुँच छै । हवाईमार्ग आ रेलमार्गके सेवा सेहो छै ।
देशेमे अइ प्रदेशके मानव विकास सूचकाङ्क सबस’ पाछाँ छै। राष्ट्रीय जनगणना २०७८ अनुसार मधेश प्रदेशके जनसंख्या ६१ लाख १४ हजार ६ सय रहल छै । मधेश प्रदेशके लगभग ६६ प्रतिशत जनता कृषि पेसामे लागल छै । प्रदेशके जिलासबमे प्रशस्त धान, गहुँम, मकै उत्पादन होइ छै ।

अन्नके भण्डार मानल जायबाला अइ प्रदेशमे खाद्यान्न, दलहन, तेलहन, नगदे बाली सेहो निक उत्पादन होइत आइब रहल छै । गाई, महिस, बकरी सहित अन्य पशुपंक्षी पशुपालनमे सेहो प्रदेश अग्रस्थानमे रहल छै । ई प्रदेश देशके २४.९६ प्रतिशत धान आ २९.०९ प्रतिशत गहुँम् उत्पादन करै छै ।
तहिना माछ उत्पादनमे सेहो ई प्रदेश नाम कमेने छै । प्रमुख औद्योगिक केन्द्र विरगञ्ज पथलैया करिडोर रहल छै । चिनी, सिगरेट, साबुन, सिमेन्ट, छड आदि उद्योगसब रहल छै । पूब पछिम महेन्द्र राजमार्ग गेल छै । तहिना हुलाकी मार्ग, बी.पी. राजमार्ग, त्रिभुवन राजपथ सहितके सडकसब मधेशके किछ भाग छुबने छै । अइ प्रदेशमे महानगरपालिका संख्या – १, उपमहानगरपालिका संख्या – ३, महानगरपालिका संख्या – ७३, गाउँपालिका संख्या – ५९ कइर जम्मा स्थानीय तह संख्या – १३६ टा छै ।

मधेश प्रदेशमे महिलास’ बेसी पुरुषके जनसङ्ख्या छै । मधेश प्रदेशमा पुरुषको जनसंख्या ३० लाख ६५ हजार ७ सौ ५१ अर्थात ५०.१४ प्रतिशत रहल छै । तहिना महिलाको जनसङ्ख्या ३० लाख ४८ हजार ८ सौ ४९ अर्थात् ४९.४८ प्रतिशत छै । मधेशको औसत जनसंख्या वृद्धिदर १.१९ प्रतिशत देखाएल गेल छै । देशेमे मधेश प्रदेशके सबस’ बेसी जनघनत्व रहल छै । जनगणनाको तथ्यांक अनुसार मधेश प्रदेशमे प्रति वर्ग किलोमिटरमा ६३३ गोटा रहै छै ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको