पदाधिकारी विहिन मधेश लोकसेवा आयोग, रुइक गेल सब काम


दलान न्यूज डेस्क
जनकपुरधाम । विगत किछ महिनास’ पदाधिकारी नियुक्ति नइँ भेलाक कारणें प्रदेश लोक सेवा आयोग मधेश प्रदेशके नियमित कामकाज प्रभावित भ गेल अछि ।
कर्मचारी भर्ना, परीक्षा, नियुक्ति, सिफारिस सहितके कामकाजसब रुइक गेल अइछ । आयोगमे अध्यक्ष एक आ दूटा सदस्य सहित तीन गोटाके नियुक्ति होयबाक प्रावधान रहल अइछ । उमेर हद पुरा भेलाक कारण अध्यक्ष सुरेन्द्रप्रसाद यादव २०८० फागुन २२ गते अवकाश भेल अइछ ।
तहिना आयोगके दोसर सदस्य महारुद्र झा सेहो उमेर हद पुरा भेलाके कारण २०७९ पुस ३ गते अवकाश भ गेल अइछ । एखन आयोगमे मात्र एक्केटा सदस्य डा. सुजाता देव जिम्मेवारी रहल लोकसेवा आयोगद्वारा जानकारी देल गेल अइछ ।
आयोगक प्रवक्ता गंगेश गुञ्जन झाके अनुुसार रिक्त दरबन्दी माग, विज्ञापन निकालनाइँ, पाठ्यक्रम-प्रश्नपत्र निर्माण, परीक्षा सञ्चालन, उत्तरपुस्तिका परीक्षण, नतिजा प्रकाशन, अन्तर्वार्ता र नियुक्तिके लेल सिफारिस कएनाइँ सहितके कामकाग प्रभावित रहैत आएल अइछ । रिक्त दरबन्दी माग करैस’ लकए सिफारिसधैरके काममे प्रत्येक चरणमे नीतिगत निणर्य करबाक प्रावधान अइछ । रिक्त भेल अध्यक्ष आ एक सदस्यमे एखनधैर केकरो नियुक्ति नइँ भ सकल अइछ ।
विभिन्न तह सहित एक लाखस’ बेसी सहभागीके परीक्षा लेल गेल अइछ । आयोगक सदस्य डा.सुजाता देवके कथनानुसार उत्तरपुस्तिका परीक्षणके लेल आयोगके बैठकस’ निणर्य करए परैत अइछ । विज्ञ मनोनयन आ उत्तरपुस्तिका परीक्षणके लेल नीतिगत निणर्य नइँ भेलाक कारण उत्तरपुस्तिका परीक्षण रुकल अइछ ।
इन्जिनियरिङ, स्वास्थ्य, वन आ कृषि सेवाके विभिन्न समूहमे करिब छ हजार आवेदन दर्ता भेल अइछ । प्रवक्ता झाके अनुसार चारिम, पञ्चम, सातम आ एगारह तहके पाँच-छटा विज्ञापनके परीक्षा वैशाखमे लेल जेबाक तय भेलोपर एखन स्थगन कएल गेल अइछ ।
प्रदेश लोक सेवा आयोगमे अध्यक्ष आ सदस्य नियुक्तिके लेल प्रदेश सरकारके मुख्यमन्त्री अध्यक्ष, प्रदेश सभाका सभामुख सदस्य आ प्रदेश सभाका विपक्षी दलको नेता सदस्य सिफारिस समितिमे रहबाक व्यवस्था अइछ । समितिमे प्रदेश सरकारका प्रमुख सचिव सदस्य सचिव रहबाक प्रावधान अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको