
जनकपुरधाम । मधेश सरकारक खेलकुद तथा समाज कल्याण मन्त्रालयके आयोजनामे जनकपुरधाममा बैशाख २० गतेस’ शहीदकप अन्तर प्रदेशीय क्रिकेट प्रतियोगिता सञ्चालन होबए जा रहल अछि ।
शहीद सबहक स्मरणमे वैशाख २० गतेस’ २९ गतेधैर शहीद कप अन्तर प्रदेशीय क्रिकेट प्रतियोगिताको आयोजना होयत । प्रतियोगितामे सातो प्रदेशके क्रिकेट टिम आ आयोजक क्रिकेट टिम सहित कुल ८ टा टिम सहभागिता रहत से जानकारी मन्त्रालयद्वारा बृहस्पति दिन आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे देल गेल अइछ । विजेता टिमके ट्रफी, प्रमाणपत्र आ नगद २ लाख ११ हजार टका, उपविजेता टिमके ट्रफी, प्रमाणपत्र सहित १ लाख १ हजार टका नगद पुरस्कार देल जाएत ।
खेल आ खेलाडीके प्रोत्साहन करैके लेल आगामी बजेटमे विशेष प्रोत्साहन देल जेबाक जानकारी मधेश प्रदेशको खेलकुद तथा समाज कल्याण मन्त्री सुरिता साहद्वारा पत्रकार सम्मेलन प्रतिवद्धता व्यक्त कएल गेल ।