
काठमाण्डू । अइगला आर्थिक वर्षके लेल खाद (रासायनिक मल) खरिद करबाक लेल टेण्डर प्रक्रिया बढाओल गेल अइछ ।
कृषि तथा पशुपन्क्षी विकास मन्त्रालय खाद खरिद करबा लेल प्रक्रिया आगाँ बढेलक से जानकारी प्राप्त भेल अइछ । खेती करबाक लेल अभाव रहैत आएल खाद खरिद करए कुल १५ अर्ब टकाके स्रोत सुनिश्चित कएल गेल अइछ । दू लाख ६० हजार मेट्रिक टन मल खरिद करए टेण्डर प्रक्रिया बढाएल गेल अछि ।
मन्त्रालय श्रोतके अनुसार दू लाख १० हजार मेट्रिक टन युरिया, ९७ हजार ८६५ डीएपी आ १३ हजार ९५१ पोटास सहित ३ लाख २२ हजार ३६९ मेट्रिक खाद आयात भ रहल अइछ । हाल सरकारसंगे युरिया ७५ हजार ९६६, डीएपी १६ हजार ८३५ आ पोटास ६२३४ मेट्रिक टन मौज्दात रहल अछि । चालु आर्थिक वर्षमे युरिया एक लाख ७६ हजार, डीएपी एक लाख आठ हजार ७९७ आ पोटास नौ हजार मल वितरण कएल गेल अइछ ।