
राजविराज । सदस्यता विवादमे रहैत आएल नेपाल पत्रकार महासंघ शाखा सप्तरी अन्ततः साधारणसभा वैशाख १६ गते करबाक निर्णय कएलक अइछ ।
महासंघ सप्तरीक सचिब रामनारायण विश्वास सोम दिन प्रेस विज्ञप्ति जारी करैत साधारणसभाक विषयमे जानकारी देलक अइछ । शाखा अध्यक्ष श्रवण कुमार देवके अध्यक्षतामे सम्पन्न बैठकस’ केन्द्रक परिपत्र अनुसार आगामी बैशाख १६ गते अधिबेशन करबाक निणर्य लेल गेल अइछ ।
साधारणसभा कत’ करब से बादमे जानकारी देल जेबाक बात विज्ञप्तिमे उल्लेख अइछ । अधिबेशनमे केन्द्रीय सर्कुलर अनुसार सदस्यता नवीकरण कराएल शाखा सप्तरीमे आवद्ध सदस्यसभके सहभागिता कराओल गेल अइछ ।
एम्हर साधारणसभाक मिति घोषणा, नवका सदस्यता वितरण, सदस्यता शुद्विकरणके नाममे हटाओल गेल पत्रकारके नवीकरण सहितके माग राखैत तालाबन्दी होइत आइब रहल छल । पैछला समय महासंघक सलाहकार जितेन्द्र खड्गा तालाबन्दी कएने छल । महासंघक कार्यसमिति ताला तोइडकए वएह भवनमे बैसार बैठके साधारणसभाक विषयमे निणर्य लेल गेल कार्यसमितिक सदस्य विद्यानन्द राम जानकारी देलक ।