
काठमाण्डू । जनता समाजवादी पार्टी, नेपाल पार्टीक राष्ट्रिय महाधिवेशन निर्धारित समयमे होयबाक निणर्य करैत कार्यतालिका सार्वजनिक कएलक अइछ ।
जसपा नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवके अध्यक्षतामे पार्टी कार्यालय बालकुमारीमे बैठल केन्दीय कार्यकारिणी समितिक बैसारस’ महाधिवेशनके लेल पार्टीक संगठित सदस्यता लगायत बैशाख ३ गतेभित्तर संकलन कएल गेल अभिलेख मात्र मान्य होयबाक निणर्य सेहो कएल गेल अइछ । कार्यतालिका अनुसार बैशाख १० गते भित्तर संगठन विभाग आवश्यकता अनुसार संगठित पार्टी सदस्यता उपर छानबिन कइरकए अभिलेख तयार कएनाइ, संगठित सदस्यतामे त्रुटी देखलापर बैशाख १५ भित्तर सचियेबाक, १६ गते संगठित सदस्यताको अभिलेख सार्वजनिक कएल जाएत ।
तहिना बैशाख १७ स’ २० गतेधैर संगठित सदस्यता उपर उजूरी कएनाइँ आ २१ गतेस’ २५ भित्तर उजूरीसब उपर छानबिन कइर सकबारक समय तोकल गेल अइछ । संगठित पार्टी सदस्यसबहक अन्तिम नामावलीसहितके विवरण बैशाख २६ गते प्रकाशन करबाक निणर्य भेल अइछ । बैशाख ३० गतेस’ जेठ १० गतेभित्तर राष्ट्रीय महाधिवेशन प्रतिनिधि निर्वाचन कइर सकबाक तालिका सार्वजनिक कएल गेल अइछ ।
तहिना, मधेश प्रदेशक पूर्वमुख्यमन्त्री लालबाबु राउतके संयोजकत्वमे राष्ट्रीय महाधिवेशन प्रतिनिधि चयन करबाक लेल प्रतिनिधि निर्वाचन सम्बन्धी निर्देशिका तयार करए तीन सदस्यीय समिति गठन भेल अइछ । समितिक सदस्यमे शिवलाल थापा आ मनिष कुमार सुमन रहल अइछ ।
गत पुसमे जसपाक सम्पन्न केन्द्रीय समितिक बैठकस’ आगामी जेठ २७, २८ आ २९ गते जनकपुरमे राष्ट्रीय महाधिवेशन करबाक निणर्य कएल गेल अइछ । संगठित पार्टी सदस्यताके विवरण पठबैतकाल पार्टी सदस्यता प्राप्त कएल मिति छुटल वा उल्लेख नइँ भेलापर तेहन संगठित सदस्यसबहक सदस्यता प्राप्त मितिसहितको विवरण सम्बन्धित प्रदेश समितिके निर्देशन देनाइँ आ सम्बन्धित प्रदेश संगठन विभागमे यथाशीघ्र पठेबाक प्रावधान रहल जसपा केन्द्रीय समिति जानकारी सार्वजनिक कएलक अइछ ।