चुप चुप बौवा


सागर बीर कडारी

बौवा रे बौवा, बड गमकौवा
बौआक अङ्गा, बड झमकौवा
सुक सुक नै कर, कान लेतौ कौवा
चुप चुप बौवा, माय देतौ ढौवा ।

माए गेलौ पलार, विछैले गोबर
बाप गेलौ मेला, कमवैले दोबर
लड्डू दोकानमें, कक्का कमौवा
चुप चुप बौआ, माय देतौ ढौवा।

हमर बौवाके, देबौ खेलौना
कुत्ताके नङ्गरी, देबौ सिरहौना
चकलेट देवी, दु चाइर पौवा
चुप चुप बौवा, माय देतौ ढौवा ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको