मधेश प्रदेशक जनसंख्या अवस्था


पथिक
देशक कुल जनसंख्यामध्ये मधेश प्रदेशक जनसंख्या लगभग २१ प्रतिशत रहल अइछ । मधेश प्रदेशक जनघनत्व सातो प्रदेशस’ बेसी (६३३ प्रति वर्ग कि.मि.) अइछ । सातो प्रदेशमध्ये सबस’ बेसी जनसंख्या वृद्धि दर लुम्बिनी आ तकरबाद मधेश प्रदेशके रहल अइछ । लुम्बिनीक जनसंख्या वृद्धिदर १.२४ प्रतिशत आ मधेश प्रदेशक जनसंख्या वृद्धिदर १.१९ प्रतिशत अइछ ।
देशक कुल घरधुरी ६६ लाख ६६ हजार ९३७ मध्ये मधेश प्रदेश प्रदेशमे ११ लाख ५६ हजार ७१५ रहल अइछ । प्रदेशके कुल ६१ लाख १४ हजार ६०० जनसंख्यामध्ये ३० लाख ६५ हजार ७५१ पुरुष आ ३० लाख ४८ हजार ८४९ महिला अइछ । मधेश प्रदेशके औसत घरपरिवारको आकार ५.२९ रहल अइछ ।


सातो प्रदेशमध्ये सबस’ बेसी लैङ्गिक अनुपात १००.५५ रहल अइछ । मधेश प्रदेशमे सबस’ बेसी धरधुरी संख्या धनुषामे १ लाख ७७ हजार १४३ आ सबस’ कम पर्सामे १ लाख १३ हजार ८० अइछ । मधेश प्रदेशमे सबस’ बेसी जनसंख्या धनुषामे ८ लाख ६७ हजार ७४७ आ सबैस’ कम पर्सामे ६ लाख ५४ हजार ४७१ रहल अइछ । प्रदेशके सबस’ बेसी जनघनत्व धनुषाके ७३५ आ सबस’ कम पर्साक ४८४ वर्ग किलोमिटर रहल अइछ ।


मधेश प्रदेशमे सबस’ बेसी यादव समुदायके (१५.२ प्रतिशत) बसोबास रहल अइछ । दोसर बेसी मुसलमान समुदायके जनसंख्या ७ लाख ९२ हजार ७७६ (१३ प्रतिशत) अइछ । तेसर बेसी तेली समुदायको जनसंख्या ३ लाख २४ हजार ७०५ (५.३ प्रतिगत), आ चारिम स्थानमे थारू समुदायके ३ लाख १ हजार ३८ (४.९ प्रतिशत) रहल अइछ ।

वार्षिक सर्वेक्षण २०७१/८०, मधेश प्रदेश, अर्थ मन्त्रालय

ताजा खबर
धेरै पढिएको