एसिसी प्रिमियर कपके सेमिफाइनलमे पहुँचल नेपाल


जनकपुरधाम । समूह ‘ए’ के विजेता बनैत नेपाल एसिसी प्रिमियर कप टी–२० क्रिकेट प्रतियोगिताक सेमिफाइनलमे पहुँचल अइछ ।
समूह चरणको बुध दिनक अन्तिम खेलमे साउदी अरबके ६ विकेटस’ हराबैत नेपाल चार खेलमे ८ अङ्क जोडैत सेमिफाइनलमे प्रवेश कएलक अइछ । साउदीद्वारा देल ७४ रनके  लक्ष्य नेपाल ४ बल बाँकी रहैत ७५ रन बनाकए पूरा करएमे सफल भेल अइछ । वर्षाके कारण आठ ओभरमे घटाओल खेलमे साउदी ७ विकेटके क्षतिमे नेपालविरुद्ध ७३ रन बनाओने छल ।
नेपालक जितके लेल गुल्सन झा आ कप्तान रोहित पौडेलके योगदान उल्लेखनीय रहल । झा नटआउट १९ बलमे ३२ रन जोडलक । कप्तान पौडेल नटआउट ७ बलमे  १६ रन बनौलक । नेपालक ओपनर कुशल भुर्तेल २ बलमे शून्यमे आउट होइत आसिफ शेख ३ बलमे २ रन जोडलक । कुशल मल्ल ५ बल खर्च करैत दुई रनमे आउट होइत  दिपेन्द्रसिंह ऐरीे ९ बलमे १७ रन बनौलक ।
नेपालके सुरुवाती ब्याटिङ लाइनके धरापमा पारैत साउदीके लेल इश्तियाक अहमद दुई विकेट लेलक । तहिना उस्मान नजीब आ वाजी उल हसनले एक÷एक विकेट हात पारलक ।
सुरुमे ब्याटिङ करैत साउदीके लेल १६ बलमे अब्दुल वाहिद सर्वाधिक ३७ रन बनौलक । नेपाली बलर आँगा अन्य ब्याट्सम्यान उल्लेखनीय योगदान नइँ कइर सकल । टस जितकए साउदी विरुद्ध सुरुमे बलिङ करैत नेपालक लेल करण केसी आ  अविनाश बोहोरा समान दुई÷दुई विकेट लेलक त ललित राजवंशी आ प्रतिश जिसी  समान एक÷एक विकेट लेलक ।
समूहके पहिल खेलमे मलेसियाके पाँच विकेट, दोसर खेलमे कतारके ३२ रनस’ हराबैत नेपाल तेसर खेलमे हङकङ उपर ८ विकेटके जित निकालने छल । तहिना प्रतियोगिताके समूह ‘बी’ मे बहराइन, कम्बोडिया, कुवेत, ओमान आ संयुक्त अरब इमिरेट्स (युएई) रहल अइछ । समूहके शीर्ष दुनू टोली सेमिफाइनलमे प्रवेश करत । फाइनल खेल वैशाख ९ गते होयत । जितएबाला टोली सन् २०२५ के टी–२० एसिया कपके लेल छनोट होयत ।
तस्वीरः gorkhapatraonline.com

ताजा खबर
धेरै पढिएको