
श्रीराम मण्डल (भरोसी)
स्वागत करू स्वीकार यौ ।
स्वागत कलश लऽ हम छी ठाढ़ ।
स्वागत करू स्वीकार यौ ॥
अजर अमर इतिहास हमरए ।
बहैए बिचे खाँड़ो धार ।
नगर डगरमे बाढ़ि बहैए ।
जखने टुटै खाँड़ो धार ।
ओहे माटि सँ काया पोसलए ।
स्वागत करैलऽ ठाढ़ छी ।
स्वगत करू स्वीकार यौ ।
स्वागत कलश लऽ हम छी ठाढ़ ।
स्वागत करू स्वीकार यौ ॥
ब्रहम बाबाके उर्वर भुमी ,
सिद्धी दात्रीके पोसलए ।
दिना भद्री सलहेशक फूल ,
सेहो गमगम गमकैए ।
ससिया महराजके धियापुता,
मुख महावीर सन चमकैए ।
स्वागत करू स्वीकार यौ ।
स्वागत फूल लऽ हम छी ठाढ़ ।
स्वागत करू स्वीकार यौ ॥
जाही माटि सँ सिया पोसलए,
ओहे माटि सँ,बुद्ध यौ ।
ताहि माटि केर धियापुत हम,
स्वागत करब शुभ यौ ।
राम रहिम सँ भरल नगरए,
खाँडो पैड़ि करै सुध यौ ।
स्वागत करू स्वीकार यौ ।
स्वागत माला लऽ हम छी ठाढ़ ।
स्वागत करू स्वीकार यौ ॥