इजराइले मृत्यु भेल आनन्द परिवारके पाँच लाख टका सहयोग  


जनकपुरधाम । इजराइमे मृत्यु भेल धनुषाक लक्ष्मीनिया गाउँपालिका वडा नम्बर ४ निवासी आनन्द साहके परिवारके मधेश प्रदेश सरकार पाँच लाख टका उपलब्ध करौल अइछ ।
हमास समूहके आक्रमणमे मृत्यु भेल साहकें परिवारके मधेश प्रदेश सरकारक मुख्यमन्त्री सरोजकुमार यादव सहयोग स्वरूप पाँच लाख टकाके चेक उपलब्ध करौलक अइछ । मृतक साहके पिता सोमन साहके मुख्यमन्त्री तथा मन्त्री परिषद् कार्यालयमे बजाकए चेक हस्तान्तरण कएल गेल जानकारी प्राप्त भेल अइछ ।
गत आश्विन २० गते इजरायलके मध्य र दक्षिण क्षेत्रमे हमास समूहके आक्रमणमे २२ वर्षिय साहके मृत्यु भेल छल । अध्ययन भ्रमणमे रहल १० गोटा विद्यार्थीके मृत्यु भेल छल ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको