
राजविराज । चिकित्सा सेवामे पृथक पहिचान बनाबएमे सफल चिकित्सक डा. रञ्जितकुमार झाद्वारा ‘हाम्रो देश’ नामक देशभक्ति गीतक भिडियो सार्वजनिक कएल गेल अछि ।
प्रसिद्ध गायक राजेश पायल राई आ डा. झाकें स्वर रहल उक्त गीत नव वर्ष शुभागमनके अवसरमे श्रोता तथा दर्शक बीच लाओल गेल अइछ । ओइ गीतमे शब्द तथा सङ्गीत डा. झाके रहल अइछ । गुञ्जन स्टुडियोमे रेकर्ड भेल ‘जाग्यो तराई बोल्यो मधेश आयो हिमाल पहाडको सन्देश, भन्दैछ कसरी हाँस्छ हाम्रो देश…’ बोलके उक्त गीत देशप्रतिके सम्मान, राष्ट्रिय एकता, समृद्धि, शान्ति, सद्भाव सहितके सन्देश देल गेल अइछ । भिडियोमे रणजीत आ राजेश अपने अभिनय सेहो कएने छइथ ।
राष्ट्र निर्माणमे एकतावद्ध भ’ कए विकास आ समृद्धिके बाटमे उच्च मनोबलके साथ आगू बढबाक लेल उर्जा प्रवाहित कइर रहल ‘हाम्रो देश’ राष्ट्रभक्त नेपाली जनताके थप प्रोत्साहित करबाक डा. झाके विश्वास रहल अइछ । संसारके सुन्दर आ कहियो केकरो परतन्त्र नइँ रहल अपना सबहक देश नेपाल बनेबाक अभियानमे अपन अपन ठामस’ जुटबाक लेल आग्रह करैत हुनकर कहब छै ‘जनम दैबाला माय आ जन्मभूमि प्राणोस’ प्यारा होइ छै, राजविराजमै सेवारत रहल समयमे गीतके शब्द फुरल, लिपिवद्ध कएलाक बाद गीत मित्र राजेशजीकें सुनेलौ, संगे गीत रेकर्ड करबाक सलाह भेल आ हमसब देशवासीक समक्ष गीत परोइस देलौं ।
सप्तरीको राजविराज निवासी डा. झा एखन दोलखाके जिरी अस्पतालमे मेडिकल सुपरिन्टेन्डेन्ट पदमे कार्यरत छइथ । डा. झा नेपाली तथा मैथिली भाषामे करिब तीन दर्जनस’ बेसी गीतसबमे स्वर भइर चुक छइथ । डा. झा काठमाण्डौ स्थित वीर अस्पताल, राजविराजक गजेन्द्रनारायण सिंह सहितक अस्पतालसब संगे रामराजा सिंह स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमे निर्देशक सेहो रइह चुकल छइथ ।
भिडियोक लिंकः