छिन्नमस्तामे स्थापना होयत डिजिटल एग्रीकल्चर रूम


राजविराज । कृषि आधुनिकीकरण कइर उत्पादन बढेबाक उदेश्यस’ छिन्नमस्ता गाउँपालिका डिजिटल एग्रीकल्चर रूम स्थापना करए लागल अइछ ।
कृषि सुचना तथा प्रशिक्षण केन्द्रके सहकार्यमे पालिकामे डिजिटल एग्रीकल्चर रूम स्थापना करए लागल अइछ । कृषकसबके समस्या समाधानके लेल डिजिटल भिलेज इन्टिएटिभ कार्यक्रम अन्तर्गत पालिकामे डिजिटल एग्रीकल्चर रुमको स्थापना करए लागल जानकारी पालिका अध्यक्ष विद्यानन्द चौधरी बतौलक ।
हुनक कहब अनुसार रूममे पालिकाके कृषि विज्ञ, पशु विज्ञ तथा कार्यक्रम विज्ञ रहत । ओ सब कृषकके बाइलमे लागएबाला रोग, समस्याको समाधान कएल गेल । अइ कार्यक्रम अन्तर्गत किसानसबके मोबाइल फोनमे टेली प्वाइन्ट डाक्टर नामक एप राखल जाएत ।
’कृषकके मोबाइलमे ई एप राखल जाएत । एपके माध्यमस’ अपन बाइलके फोटो खिंचके पठेलाक बादे पहिचान आ समाधानके उपाय बताओल जायत । अध्यक्ष चौधरी कहलक ’फोटो खिचकए एग्रीकल्चर रूममे रहल विज्ञसँ सेहो समाधान बताएल जाएत ।’
तहिना अइस’पहिने डिजिटिल सोइल म्यापिङ्ग (कम्प्युटरमे आधारित माइट नक्सांकन) कार्यक्रम करए लागल अइछ । जइस’ जमिनके फोसफोरस, पोटास, नाइट्रोजन, ओरगेनिङ्ग मेटर, टेक्सटल, जमिनके किसिम सहितके विषयमे जानकारी एवम् तथ्यांक उपलब्ध होयत । जग्गाको अवस्था, जग्गामे मल खाद्यके लेल रणनिती बनाबए सहज होयत ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको