
पथिक
मधेश प्रदेश नेपालक कुल क्षेत्रफलमध्ये ६.६ प्रतिशत (९,६६१ वर्ग कि.मि.) मे फैलल अइछ । आ.व. २०७६÷७७ मे नेपालक कुल खेतीयोग्य जमिनक १७.७५ प्रतिशत आ खेती कएल गेल जमिनके १९.०२ प्रतिशत मधेश प्रदेशमे रहल अइछ । अइ प्रदेशमे नेपालके सबस’ बेसी सिंचित जमिन (२८.६८%) रहल अइछ । देशके कुल क्षेत्रफलके तुलनामे अइ प्रदेशमे खेती नइँ भेल जमिन १२.२६ प्रतिशत अइछ । जे मूलतः नदीके वहाव क्षेत्र ओगटने अइछ । तुलनात्मक रूपमे अइ प्रदेशमे कम (४.८३%) रहल अइछ ।
आ.ब. २०७६÷७७ मे खेती कएल गेल जमिनके अनुपात सबस’ बेसी सर्लाही आ महोत्तरी जिलामे छै त सब’ कम बारा जिलामे अइछ । सिचाइके हिसाबस’ सबस’ बेसी सिंचित भूमि रौतहटमे (९४.४%) रहल अइछ त भने सबस’ कम सप्तरीमा (४२.२%) रहल अइछ ।
धान खेती मधेश प्रदेशके रौतहट आ महोत्तरी बाहेक सब जिलाके लगभग ओहने अइछ । धनुषा जिलामे सबस’ बेसी क्षेत्रफलमे (६३,१२२ हेक्टर) खेती भेल त सबस’ बेसी उत्पादन (२.५१.१८६ मे.ट.) भेल पाओल गेल अइछ । तहिना गहुँम खेती आ उत्पादन सेहो सबस’ धनुषामे होइत अइछ । सबस’ कम सिराहामे ११.७७७ हेक्टरमे खेती भ’ कए ३९.९२५ मे.ट. उत्पादन भेल अइछ ।
मकै खेती सबस’ बेसी बारा (११.९४१ हेक्टर) आ सर्लाहीमे (११,१२३ हेक्टर) मे उत्पादन भेल अइछ त सबस’ कम खेती रौतहटमे (३.२८४ हेक्टर) भेल अइछ । तहिना सबस’ कम उत्पादन सिराहामे (८.८९५ मे.ट.) भेल अइछ । तहिना, कुशियार(उइख) सबस’ बेसी सर्लाहीमे खेती (२२,१५३ हेक्टर) भ’ कए उत्पादन (११,०१.९१५ मे.ट.) भेल अइछ । सबस’ कम सप्तरी (२०१ हेक्टर) मे खेती भ’ कए उत्पादन (८,०४० मे.ट.) भेल अइछ ।
अलहु (आलु) खेती आ उत्पादन सबस’ बेसी सप्तरी (४.१७८ हेक्टर) आ बारा (७,०३९ हेक्टर) मे भ’ कए उत्पादन क्रमशः ६३,२५२ मे.ट. आ ७०,४८९ मे.ट. रहल अइछ । तहिना, आम खेती आ उत्पादन सबस’ बेसी सिराहा आ सप्तरीमे क्रमशः (७,८९५ आ ७.८९२ हेक्टरमे क्रमशः ६९,६१८ आ ६८,१०१ मे.ट.) उत्पादन होइत अइछ । सबस’ कम पर्सामे ४१० हेक्टरमे ३.५५२ मे.ट. आम उत्पादन होइत अइछ ।
खैनी(सूर्ती) उत्पादन सबस’ बेसी पर्सामे (१,४५० हेक्टरमे २,०५० मे.ट.) रहल अइछ । सबस’ कम सिराहामे (१० हेक्टरमा १२ मे.ट.) रहल अइछ । तहिना महोत्तरी आ सप्तरीमे खैनी खेती नइँ होइत अइछ । तहिना मधेश प्रदेशमे आ.व. २०७६÷७७ मा दलहन, फलफूल आ तरकारीके कुल उत्पादन क्रमशः १.१९,१७७ मे.ट.. ३.६९,७६६ मे.ट. आ १२.६६.३६७ मे.ट. रहल अइछ ।
पशुपालन अन्तर्गत गाई आ महिसके संख्या सबस’ बेसी सप्तरीमे आ दोसरमे बारा देखाओल गेल अइछ मुदा दुध उत्पादन सबस’ बेसी बारामे (५४.१३४ मे.ट.) आ तकरबाद सप्तरीमे (४८,३८२ मे.ट.) देखाओल गेल अइछ ।
मधेश प्रदेशमे जिलागत रूपमे सबस’ बेसी वन क्षेत्र पर्सामे (७६.२३%) आ तकरबाद बारामा (४६.६४%) अइछ । सरकारद्वारा व्यवस्थित बन सबस’ बेसी बारामा (४९.१६६.०० हेक्टर) आ तकरबाद रौतहटमे (२२,४००.०० हेक्टर) अइछ त सामुदायिक वन सबस’ बेसी सप्तरीमा (१८,५५०,०० हेक्टर) आ तकरबाद सिराहामे आ सर्लाहीमे अइछ । तहिना साझेदारी वन सबस’ बेसी पर्सामे (११.४०९.१४ हेक्टर) तकरबाद रौतहटमा रहल अइछ ।
वार्षिक सर्वेक्षण २०७१/८०, मधेश प्रदेश, अर्थ मन्त्रालय