
आइकाइल जवानीयेमे चाइन्हपरके केश उडनाइँ सेहो समस्याके रुपमे देखल गेल । कहल जाइ छै जे चान्हपर केश नै त किछ नइँ । बुढारी आबएस’ पहिने केश उड्नाइँ अर्थात झड्नाइँ सेहो एक प्रकारके स्वास्थ्यस’ सम्बन्धित समस्या छियै ।
चाइन्हपर केश जन्माबैके खातिर कतेको प्रकारके तेल एवम् घरेलु उपाय सब सेहो अपनायके परेशान भ जाइछै, तैयो केश नइँ जन्मै छै । सब उपाय केलाके बादो समस्या समाधान नइँ भेलापर लाखौ टका खर्चा कइरके केश रोपेबाक काज सेहो करै छै त कतेको लोग माथामे कृत्रिम केश लगाबै अइछ ।जे जेना केश उडएके बहुत कारण भ’ सकै छै । जइमध्ये ई कारणसब सेहो महत्वपूर्ण मानल गेल अइछ ।
धुम्रपान : सिगरेट, बिडी, हुक्का इत्यादीमे पाओल जायबाला निकोटिनके कारण रक्तनली सब सुटैकए (सिकुडनाइँ) जाय लगैत अइछ । जइस’ शरीरमे अक्सिजनके मात्रा सेहो कम जाइत अइछ । जइ कारणस’ केश झडएमे सहयोग करैत अइछ ।
अत्यधिक मदिरा सेवन : त्यधिक मदिरा सेवन करएवाला व्यक्तिके शरीरमे टक्सीन बढैत अइछ । आइरन, जिंक पाइनक मात्रा सेहो कम होइत अइछ । एहेन अवस्थामे केश झडैत अइछ ।
बंशाणुगत कारण : परुषके कपाल झडएके दोसर कारण बंशाणुगत सेहो मानल गेल अइछ । परिवारमे कम उमेरमे पुरुषसबके केश झडैत अइछ त ई समस्या वंशानुगत भ’ सकैत अइछ ।
हर्मोन समस्या : पुरुषसबके केश झडएके दोसर कारण एन्ट्रोजेनिक एलोपिका छियै । शरीरमे डीएचटी हर्मोनके ब्यालेन्स बिगडलापर एहेन समस्या भ’ सकैत अइछ ।
रसरायनयुक्त पदार्थके प्रयोग : हरेक किसिमके हेयर जेल, कलर्स , सेम्पू, कन्डिशनर जँका पदार्थके प्रयोग कएलाक बाद साइड इफेक्टके कारण केश झडएवाला समस्या भ’ सकैत अइछ । ओइमध्ये किछमे सहन करए नइँ सकएवाला हानीकारक पदार्थ सेहो मिलाएल भ सकैत अइछ ।
>तनाव : तनाव बढ्लाक बाद सेहो पुरुषसबके केश झडैत अइछ । तनाव बढ्लापर शरीरमे रहल हर्मोन्सके तालमेल बिगैड जाइत अइछ । जइके कारण केश झडएवाला समस्या आइब जाइत अइछ ।
अस्वस्थ खानपान : पुरुषसबके जल्दीये केश उड्नाइँके दोसर कारण अस्वस्थकर खानपान मानल गेल अइछ । खानामे सही मात्रामे पोषण नइँ पहुँचलापर शरीरमे आइरन, भिटामिन ए, प्रोटिन, जिंक, क्याल्सियम जँका पौष्टिक तत्वके कमी भ’ जाइत अइछ । जइके कारण केश झडैत अइछ ।
छालामे संक्रमण : माथामे फंगल इन्फेक्सन भेलापर या रुस्सी आबैबाला समस्या एलापर सचेत होयबाक चाही । एहेन समया देखलापर विषयगत चिकित्सकस’ देखेबाक चाही ।
दबाइके असर : क्यान्सर, हर्ट, उच्चरक्तचाप, डिप्रेशन, मधुमेह जँका रोगके दबाइ सेवन करैबालाके सेहो केश झडएके समस्या भ’ सकैत अइछ । तैं अपन स्वास्थ्यप्रति सचेत एवम् सम्वेदनशील रहबाक चाही । कमे उमेरमे केश झडएवाला समस्या देखलापर चिकित्सके सलाह लेबाक चाही ।