मेरहौवा


१. वनसँ निकलल धमधुसरी, तकरा चाइर टेडरी, दुटा नडरी कथी छियै ?
हाथी
२ तार तमौरा उपर डंटा, तारक पत्ता हजारौ डण्टा कथी छियै ?
ओल
३. एतनेटा फुचीमे दु रंग पाइन कथी छियै ?
अण्डा
४. ओसके पाइन, बरेली छुइब जाइ कथी छियै ?
पोटा
५. बोनमे लाठी फेकल कथी छियै ?
साँप
६. अतनीटा छौडीके भइर देह फोंसरी कथी छियै ?
करेला
७. लाल गाय पानी पिब कए मइर गेल कथी छियै ?
सुरुज
८. हमर मामाके एकसय गाय, रातके चरे दिनके कत’ जाय ? कथी छियै ?
तारा
९. नौमनके गद्ही बारह मनके पेट, केहन बेटा जन्माइब बापेस’ जेठ कथी छियै ?
बाँस
१०. गाछ धरिङ्गा फल चोकड़ा, जे नै जाने तकर बाप बोकड़ा कथी छियै ?
सिसौ
११. अतनेटाके पौतीमे हरमोनिया, पटक छोड़ाके देख दुनिया कथी छियै ?
ऑइख
१२. गोल बरदके पिठमे भुर, से बनै छै धुरमधुर कथी छियै ?
जत्ता
१३. बनसँ बाहर भेल गणपैत ओझा, तकर गाइँड़मे लाठी पिठमे बोझा कथी छियै ?
कुमहड
१४. चाइर गो चाइर ठाम, फूल झडे एक्के ठाम कथी छियै ?
गायके दूध
१५. बाघ बाघिन सेहो गाभिन, तकर बच्चा सेहो गाभिन कथी छियै ?
कटहर
संकलन : सागर बीर कडारी

ताजा खबर
धेरै पढिएको