नेपाल आ कतार बीच भेल दू सम्झौता, ६ समझदारी


काठमाण्डू । नेपाल आ कतार बीच सहकार्य करबाक सम्बन्धमे दूटा सम्झौता आ ६ टा  समझदारी भेल अइछ ।
कतारके अमिर शेख तमिम विन हमाद अल थानीके नेपाल राजकीय भ्रमणके अवसरमे बुध दिन भेल द्विपक्षीय वार्तामे उक्त सम्झौता आ समझदारी भेल अइछ । कतारके अमिर थानी आ प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ बीच सोल्टी होटलमे  भेल द्विपक्षीय भेटवार्ताक बाद  सहमती भेल अइछ ।
सम्झौता आ समझदारी अइ प्रकार अइछः
१. नेपालक संस्कृति, पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालय आ कतार राज्यके संस्कृति मन्त्रालय बीच संस्कृति आ कलाके क्षेत्रमे सहयोगके लेल समझदारी पत्र
२. राष्ट्रिय समाचार समिति, नेपाल (रासस) आ कतार समाचार एजेन्सी (क्यूएनए) बीच समाचार आदानप्रदान तथा सहयोगसम्बन्धी सम्झौता
३. नेपाल सरकार आ कतार राज्यको सरकार बीच शिक्षा, उच्च शिक्षा आ वैज्ञानिक अनुसन्धानके क्षेत्रमे सहयोगके लेल समझदारी पत्र (एमओयू)
४. नेपाल सरकार आ कतार राज्यके सरकार बीच युवा तथा खेलकुदके क्षेत्रमे सहयोग सम्बन्धी समझदारी पत्र
५. नेपालको महान्यायाधिवक्ताको कार्यालय र कतार राज्यको सार्वजनिक अभियोजनबिच सहयोगका लागि समझदारी पत्र
६. नेपाल सरकारक परराष्ट्र मामिला अध्ययन संस्थान (आईएफए) आ कतार राज्यके परराष्ट्र मन्त्रालयके कूटनीतिक संस्थान बीच कूटनीतिक प्रशिक्षण आ शिक्षाको क्षेत्रमा सहयोगसम्बन्धी समझदारी पत्र
७. कतार चेम्बर आ नेपाल उद्योग वाणिज्य महासङ्घ बीच संयुक्त व्यापार परिषद् (जेबिसी) स्थापना करबाक सम्झौता
८. कतार चेम्बर आ नेपाल उद्योग वाणिज्य महासङ्घ बीच भेल समझदारीपत्रके नवीकरण
तस्वीरः gorkhapatraonline.com

ताजा खबर
धेरै पढिएको