
एखन मोटरसाइकिल दुर्घटनाके घटना व्यापक रुपमे बइढ रहल अइछ । हमर अहाँके समाजमे असावधानीपूर्वक मोटरसाइकिल चलेलाक बाद खास कइर यूवा जमात अकाल मृत्युके सिकार भ’ रहल अइछ । मोटरसाइकिल दुर्घटना एवम् मानवीय क्षति रोकबाक लेल सामुहिक प्रयास अइछ । तैं अइ बातसबमे धियान देनाइँ जरुरी अइछ ।
१. मोटरसाइकिल चलबैसऽ पहिने जुत्ता लगेनाइँ, साइड स्ट्याण्ड उठेनाइँ आऽ हेल्मेट लगानाइँ नइँ बिसरु ।
२. भीडभाड, व्यस्त सडक तथा ग्रामिण बस्ती आ रास्तामे गियर घटाके कम गतिमे मोटरसाइकिल चलाबू ।
३. कतबो धरफड़ी किआ नइँ हुवे ओभरटेक वा पूरे सड़कपर मोटरसाइकिल नइँ चलाबू । सइदखन अपन साइडमे रहू, आवश्यकता अनुसार इन्डिकेटर बारु, हाथ आऽ पैरके दुनू ब्रेक लगबै ल’ नइँ बिसरु ।
४. धियापुता वा सवारी चालक अनुमति-पत्र नइँ भेल व्यक्तिकें मोटरसाइकल चलबए नइँ दियौ ।
५. दू गोटासँ बेसी व्यक्ति सवार रहल, उमेर नइँ पहुँचल चालक रहल तथा अनियन्त्रित एवम् तीब्र गतिमे मोटरसाइकिल चला रहल देखलापर तुरन्ते रोइकके पुलिसके खबर करु ।