
राजविराज । सप्तरी जिलाक महादेवा गाउँपालिकामे भेल भीषण आइगलग्गीमे दुई सौ घर जइरके नष्ट भेल अइछ ।
महादेवा गाउँपालिका वाड नम्बर–१ चिम्टीमे मंगल दिन दुपहर २ बजे आइगलग्गी भेल अइछ । आइगलग्गीमे क्षतिके पूर्ण नइँ प्राप्त भ’ सकल अइछ यद्यपी दू करोड टकास’ बेसी क्षति भेल अनुमान कएल गेल अइछ । जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरीद्वारा प्राप्त जानकारी अनुसार पछिया हावा चइल रहल अवस्थामे स्थानीय शत्रुधन यादवके घरस’ आइग उठल छल । आइगलग्गीमे समुच्चे गाम स्वाहा भ’ गेल अइछ ।
दलित आ मुस्लिम समुदायके घना बसोबास रहल बस्तीमे लागल आइग बुताबै खातिर हनुमाननगर कंकालिनी, राजविराज, शम्भुनाथ नगरपालिकास’ गेल अग्नी नियन्त्रक गाडी (पाइन गाडी) मँगाएल गेल छल । भीषण आइगलग्गी भेलाक कारण अबेर राइतधइर आइग बुताबएके प्रयास भ’ रहल अइछ । आइगलग्गीमे मानवीय क्षति नइँ भेल अइछ मुदा पशु चौपाया, खाद्यान्न, फर्निचर लगायत सामानसब जइरके क्षति भेल अइछ । तस्वीरः सामाजिक सञ्जाल