
जनकपुरधाम । नेपाल सरकारक उपप्रधानमन्त्री एवं स्वास्थ्य जनसंख्या मन्त्री उपेन्द्र यादव स्वास्थ्य क्षेत्रमे हासिल भेल उपलब्धिसबके संरक्षण करए संयुक्त राष्ट्रसंघ सहित अन्तराष्ट्रीय विकास साझेदारसबके सार्थक सहयोग अपरिहार्य रहल बतौलक अइछ ।
संयुक्त राष्ट्रसंघीय जनसंख्या तथा विकास आयोगक न्युयोर्कमे जारी ५७अम् बैठकमे सहभागी होयबाक सिलसिलामे रहल उपप्रधानमन्त्री यादव संयुक्त राष्ट्रसंघके महासचिव एन्टिोनियो गुटेर्रेससङ्गे सोम दिन भेल भेंटवार्तामे जलवायु परिवर्तन आ विश्वमे बढैत द्वन्द्वके कारण नेपाल दिर्घ एवम् स्थायी विकासके लक्ष्यसबके अतिरिक्त स्वास्थ्य क्षेत्रमे हासिल कएल गेल उपलब्धि संरक्षण चुनौतीपूर्ण भेलाक कारणें राष्ट्रसंघ सहित अन्तराष्ट्रीय विकास सहायता अपरिहार्य होयबामे जोड देलक ।
संयुक्त राष्ट्रसंघक प्रधान कार्यालयमे भेल भेटवार्तामे उपप्रधानमन्त्री यादव संयुक्त राष्ट्रसंघक बडापत्र एवं सिद्धान्तप्रति नेपाल प्रतिबद्ध रहल कहैत देशके सामाजिक–आर्थिक विकासमे राष्ट्रसंघद्वारा कएल गेल योगदानके सराहना कएल गेल न्युयोर्कस्थित संयुक्त राष्ट्रसंघक नेपालक स्थायी नियोगद्वारा जनाओल गेल अइछ ।
गरिबी निवारण, स्वास्थ्य सेवाक विकास, प्रजनन दर आ मातृ मृत्युदर घटेबाक लगायत जनस्वास्थ्यके क्षेत्रमे नेपाल प्रगति कएलक जानकारी करबैत उपप्रधानमन्त्री यादव भूपरिवेष्ठित एवं अति कम विकसित राष्ट्र नेपालके विकासक लेल बाह्य सहायता आवश्यक भेल बतौलक ।
महासचिव गुटेर्रेस नेपाल आ संयुक्त राष्ट्रसंघ बीचके सम्बन्ध आ सहयोग घनिष्ठ रहलामे प्रशन्नता व्यक्त करैत नेपाल भ्रमणके स्मरण सेहो कएलक । ओ मानवअधिकार, विश्व शान्ति आ सुरक्षा एवं दिर्घ एवम् स्थायी विकासक लक्ष्यसब प्राप्तिमे नेपालद्वारा कएल गेल योगदानके मुक्तकण्ठस’ प्रशंसा कएलक ।
महासचिव गुटेर्रेस शान्ति स्थापनार्थ संयुक्त राष्ट्रसंघ अन्तर्गत शान्ति सेना परिचालन करएवाला देशसबमे नेपाल अग्रस्थानमे रहल कहैत नेपाली शान्ति सेनाद्वारा निर्वाह कएल गेल भूमिकाके सराहना कएलक । संगे ओ स्वास्थ्य क्षेत्रमे नेपालद्वारा हासिल कएल गेल उपलब्धिके प्रशंसा सेहा कएलक । स्वास्थ्य क्षेत्रके लेल राष्ट्रसंघीय निकायसब मार्फत ओ थप सहयोग प्रदान करबाक प्रतिवद्धता सेहो कएलक ।
नियोग अनुसार महासचिव गुटेर्रेसले नेपालक जलवायु परिवर्तनक असरके कारण भोगए पइररहल चर्चा करैत एकरा सम्बोधन करए सम्बद्ध पक्षस’ सहयोग होबए परबामे जोड दैत ‘नेपाल सहायता पाओनाइँ अधिकार छै’ कहलक । हरित ग्यास उत्सर्जनमे नगण्य योगदान रहल नेपालके ‘जलवायु न्याय’के आधारमा न्यूनीकरण तथा अनुकूलन सहायता प्रदान करबाक ओ जिकिर कएलक । ओइ अवसरमे संयुक्त राष्ट्रसंघके लेल नेपालक स्थायी प्रतिनिधि लोकबहादुर थापासहित नेपाल सरकारक उच्चपदस्थ कर्मचारी सबहक उपस्थिति छल ।
तहिना युएनजिएके अध्यक्ष डेनिस फ्रान्सिस संगे सेहो उपप्रधानमन्त्रीसँगे भेटवार्ता भेल अइछ ।