
जनकपुरधाम । अंतरराष्ट्रीय मजदूर दिवसके अवसरमे बुध दिन मैथिली फिचर फिल्म ‘लेबर’के टिजर सार्वजनिक कएल गेल अइछ ।
रोजीरोटीके लेल अपन गामठाम एवम् देश छोइडके विदेशमे मजदूरी करए बाध्य नेपाली यूवा सबहक कथामे सिनेमा निर्माण भ’ रहल जानकारी देल गेल अइछ । सिनेमाके निर्देशक पूणेन्दु झाद्वारा देल गेल जानकारी अनुसार मैथिली सिनेमा ‘लेबर’ मैथिली भाषामे निर्माण हायत । अइ सिनेमाके टिजर सेहो एकसाथ मैथिलीक अतिरिक्त नेपाली आ भोजपुरी भाषामे रिलिज कएल गेल अइछ ।
‘लेबर’के नेपाली आ भोजपुरी भाषामे सेहो स्वराङ्कन अर्थात डबिङ्ग कएल जाएत । ‘लेबर’मे मुख्य कलाकार उत्पल झा, रामभजन कामत, राजेश सक्सेना, राकेश यादव, जयनाथ अधिकारी सहितके चर्चित चेहरासब रहत ।
अइ मैथिली फिचर फिल्ममे रहल गीत सबमे बलिवुडके चर्चित यूवा हस्ती प्रवेश मल्लिकके सङ्गीत तथा पाश्र्वसङ्गीत रहत । तहिना हिमाल केसीके द्वन्द्व निर्देशन, आलोक शुक्लके छायाङ्कन, निमेष श्रेष्ठके सम्पादन रहत ।
अइ सिनेमाके सह निर्मातामे सतेन्द्र झा, सञ्जय साह, शेरू खान, शिखा ठाकुर, नारन अधिकारी, रमेश रञ्जन, धिरेन्द्र प्रेमर्षी आ लक्ष्मी ठाकुर रहत । नरेश मिश्रासङ्गेके सहकार्यमे निर्देशक पूणेन्दु झाद्वारा ई सिनेमा लिखल गेल अइछ । सार्वजनिक भेल टिजर साफसाफ शंकेत द रहल अइछ जे ई सिनेमा इतिहास रचत ।
देखू टिजर :