
राजविराज । सञ्चारीका समूह बाँकेद्वारा सञ्चारिका पत्रकारिता पुरस्कार २०८० स’ दुटा महिला पत्रकारके सम्मान कएल गेल अइछ ।
नेपालगन्ज उपमहानगरद्वारा प्रदान कएल गेल नगद राशी सहित २०८० के वर्ष पुरस्कारद्वारा पत्रकारद्वय डा. मुना श्रेष्ठ आ कान्तिपुर टेलिभिजनमे कार्यरत रेजिना मल्लके सम्मानित कएल गेल अइछ । श्रेष्ठके सञ्चारिका समूह नेपालक पहिल निर्वाचित अध्यक्ष वन्दना राणाद्वारा सम्मानपत्र प्रदान कएल गेल अइछ । तहिना कान्तिपुरकर्मी मल्लके बाँकेके प्रमुख जिल्ला अधिकारी श्रवणकुमार पोख्रेल पुरस्कार वितरण कएलक ।
२०४९ सालस’ पत्रकारिता क्षेत्रमे सक्रिय भ’ के निरन्तर महिला पत्रकारके पत्रकारितामे स्थापित करए आ महिला पत्रकारके पत्रकारितामे सक्षम बनेबाक लेल पहुँचाओल गेल योगदानके कदर स्वरूप डा. श्रेष्ठके सञ्चारिका सम्मानपत्र २०८० प्रदान कएल गेल अइछ ।