
जनकपुरधाम । मित्रराष्ट्र भारतमे भ’ रहल लोकसभा चुनावके लक्षित कइरके भङ्गहा–जनकपुर–जयनगर रेल सेवा तीन दिन बन्द कएल जाएत ।
नेपाल–भारत सीमा सिल रहबाक कारणें वैशाख २३ गतेस’ २५ गते धइर रेल सेवा बन्द रहबाक जानकारी देल गेल अइछ । नेपाल रेल्वे कम्पनीके महाप्रबन्धक निरञ्जन झा शइन दिन सूचना जारी करैत रैब दिनस’ मङ्गल दिन धइर भङ्गहा–जनकपुर–जयनगर रेल्वे सेवा पूर्णरुपमे बन्द जानकारी देने छै । इण्डो नेपाल अन्तर्राष्ट्रीय बोर्डर सिल करबाक विषयमे नेपाल भारत दुनू देशक जिल्ला कोर्डिनेशन कमिटीसँ रेल सेवा तीन दिन बन्द रकरबाक विषयमे निर्णय भेल अइछ