आइलग्गीस’ बचैके ई उपायसब अपनाबू (देखू भिडियो) 


खुश्बु यादव
अखनी खरमास (सुख्खा मौसम) छै । सुख्खा आ गर्मीके कारण आइगलग्गीके घटना सब बइढ रहल छै । फागुनस’ जेठधइर आइलग्गीके घटना हमर अहाँके समाजमे बेसी होइछै । कारण जे सबकिछ सुखल रहै छै । तैं आइग तुरन्तै फैलैके सम्भावना रहै छै ।
ओना आब पहुनका जँका फुसके घरसब बहुत कम छै । तैयो ग्रामिण क्षेत्रमे रहल गामसबमे अखनीयों बहुत फुस घर सब छै । आर्थिक सम्पन्नता नइँ भेल टोल बस्तीसबमे बेसी लार, खरस’ छारल घरसब रहै छै । छोट असावधानीके कारण एकटा घरस’ आइग उठलाके बाद पछिया हावा आइग विस्तार करएमे आओर बेसी सहायक भ’ जाइ छै । तकर बाद बस्ती सब सुड्डाह भ’ जाइ छै । अखनी हमर अहाँके समाजमे आइलग्गीके घटना भयावह रुप लैत जा’ रहल अइछ । एके रत्तिमे सबटा धनमाल छाउरमे परिणत भ’ जाइ छै ।
हँ, आन सालके तुलनामे अइबेर मधेश प्रदेशके जिल्लासबमे आइगलग्गीके घटना बढैत जा’
रहल अइछ । तैं आइगलग्गीस बचै खातिर सावधानी अपनेनाइँ आवश्यक अइछ ।
आइगलग्गीस’ बचै खातिर र्ए उपायसब अपनेबाक चाही ।
– सलाई, लाइटर जँका आइग उत्पन्न होयबाला सामान धियापुताके पहुँचस’ दूर राखू ।
– भन्सा करैतखन कुल्हा या ग्याँस पजारल अवस्थामे कतौ नइँ जाउ ।
– खर मासमे घरस’ बाहर चुल्हा नइँ पजारु । लार, पुवार, खढपात या जारैनस’ भन्सा करैतखन
लगमे बाल्टीनमे पाइन राखू ।
– भन्सा भेलाके बाद चुल्हाक आइग निकस’ बुताबू आ सिलिण्डरके रेगुलेटर निक जँका बन्द करु ।
– सकभर ग्याँस सिलिण्डरके भन्साघरस’ बाहर राखू ।
– सिलिण्डरके पाइप, सिलिन्डर समय-समयमा जाँच करु । समस्या देखलापर तुरन्त मरमत कराबू ।
– ग्याँस सिलिण्डर घर लाबैतस’ पहिने सिल नइँ भेल, वजन कम भेल, या लिक भ’ रहल शंका
भेलापर ओहन सिलिण्डर नइँ लिय ।
– डिबिया, दिप या मोमबत्ती सकभर नइँ बारु ।
– विजलीस’ चलैबाला मेसिनके नियमित जाँच करु, नङ्गा तार, टुटफुट भेल स्वीच, बोर्ड प्रयोग नइँ
करु ।
– एक्सटेन्सन बार्डमे बेसी विजली खपत होइवाला उपकरण एकेबेर नइँ जोडू ।
– पोलमे तार सइट रहल या पडैक रहलापर विद्युत प्राधिकरणके तुरन्त जानकारी कराबू ।
– हावा चलल अवस्थामे गोहाली वा दुवाइ पर घुर या आइग नइँ पजारु ।
– घर लग लार पुवारके टाल आ छाउरके ढेरी नइँ राखू ।
– मच्छर भगाबए खातिर घुर या धुइँया धुकुर नइँ करु ।
– घरमे पेट्रोल, डिजेल, मट्टीतेल जँका जल्दी आइग लगैवाला प्रज्जवलनशील पदार्थ धियापुताके
पहँुचस’ दूर राखू ।
– सकभर सिगरेट, बिडी इत्यादी सेवन नइँ करु । सलाईके काठी आ ठूट्ठी निक जँका मिझाबैल’
नइँ बिसरु ।
– गामबस्तीमे आइलग्गी भेलापर लाउडस्पीकर मार्फत तत्काल सूचना प्रवाह करए नइँ बिसरु ।
– मानवीय क्षति रोकए खातिर धीयापुता आ वृद्धवृद्धाके पहिने उद्धार कइर सुरक्षित स्थानमे राखू ।
– सर्टिफिकेट, लालपुर्जा, नागरिकता सहित बहुमूल्य कागजात एवम् सामान ठेकानल अवस्थामे
राखना चाही । ताकी आइलग्गी भेल अवस्थामे तुरुन्त बाहर निकाइल सकी ।
जँ आइगलग्गी घटना भ जाय त वारुणयन्त्र (पाइनगडी)के नम्बर वा जिला प्रहरी कार्यालयमे १०० मे फोन कइर जानकारी दै ल’ नइँ बिसरु ।
अपनेसब ई उपाय अवश्य अपनाबू । अपनो सुरक्षित रहू आ दोसरोके सुरक्षित राखू ।

देखू भिडियो

ताजा खबर
धेरै पढिएको