सुनकोसी-मरिण डाइभर्सनके सुरुङ खोदाइ पुरा, मधेशके पाँच जिलामे होयत सिंचाई


जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशके जिला सबमे सिंचाई सुविधा पहुँचाबैके उदेश्यके साथ आगा बढाओल गेल सुनकोसी मरिण डाइभर्सन परियोजनाके सुरुङ खोदबाक काज पुरा भेल अइछ ।
मधेश प्रदेशके धनुषा, महोत्तरी, सर्लाही, रौतहट आ बारा जिलाके किसानसबके खेतमे सिंचाईके लेल सुरुङ खोदाइके काज चइल रहल अइछ । पाँचो जिलाके जम्मा १ लाख २२ हजार हेक्टर कृषि योग्य भूमिमे सिँचाइ सेवा पहुँचेबाक परियोजक लक्ष्य रहल अइछ ।
पहिल चरणमे सुनकोशीके पाइन मरिन नदीमे खसाएल जेबाक बात परियोजना प्रमुख मित्र बरालद्वारा जानकारी देल गेल अइछ । मधेश प्रदेशके आठो जिलामे जनताके खेतखेतमे बारहो महिना सिंचाई सुविधा पहुँच जाएत त मधेशमे कृषि उत्पादनमे वृद्धि, रोजगारी प्रवद्र्धन एवम् आर्थिक समृद्धिमे सेहो चाइर चान लाइग जाएत ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको