जनकपुरधाम-११ जितलक प्रदेश शहिद कप टि-२० के उपाधी


जनकपुरधाम । जनकपुरधाममे जारी अन्तर प्रदेश शहिद कप टि-२० क्रिकेट प्रतियोगिता २०८१ को उपाधि जनकपुरधाम-११ जितएमे सफल भेल अइछ ।
जनकपुरधाम-११ टिम सुदूरपश्चिम टिमके ७ विकेटस’ पराजित करैत जनकपुर ११ उपाधि हासिल करएमे सफल भेल अइछ । पहिल ब्याटिङ करैत सुदूरपश्चिम प्रदेशके १४ ओभरके खेलमे सब विकेट खर्च करैत ९० रन बनौने छल । एम्हर जनकपुरधाम-११ १५ ओरमे ३ विकेटके क्षतिमे ९४ रन बनबैत जीत सुनिश्चित कएलक ।
जनकपुरधाम ११ के बसीर अहमद ३ ओभरमे १७ रन खर्च करैत ३ विकेट लैत म्यान अफ दि म्याच घोषित भेल । विजेता जनकपुर-११ नगद २ लाख ११ हजार टका नगद, शिल्ड, पदक आ प्रमाणपत्र प्राप्त कएलक । उपविजेता सुदूरपश्चिम प्रदेश १ लाख १ हजार नगद, शिल्ड, पदक सहित प्रमाणपत्र प्राप्त कएलक ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको