
जनकपुरधाम । जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष एव उपप्रधान, स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्री उपेन्द्र यादव अतृप्त आत्मा आ स्वार्थीसबके झुण्ड प्रयोग कैरके पार्टी फुटाएल गेल बतेलक ।
मधेसी स्वास्थ्यकर्मी फोरमके चारिम राष्ट्रीय महाधिवेशनके उद्घाटन करैत ओ ई बात बतेलक।
सत्ता टिकाबए लेल जसपा नेपालके फुटेलौ, प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहालके अभिव्यक्ति सहितके भिडियो सामाजिक सञ्जालमे भाइरल भ रहल समयमे मन्त्री यादव २/४ टा लोभी पापी पार्टी फुटेलापर युद्ध जितनाइँ दिवा स्वप्न मात्र रहल प्रष्ट केलक ।
´निर्दलीय व्यवस्था बिरुद्ध लडल कांग्रेस कम्युनिष्ट बिरुद्ध सेहो एहने षडयन्त्र होइ छ्लै, अध्यक्ष यादव कहलक ‘षडयन्त्र करैवाला मात्र नइँ व्यवस्थे समाप्त भ गेल, अखनी जसपा नेपाल बिरुद्ध एहने षडयन्त्र भेल अइछ’ ओ कहलक ´मधेशके मुद्दा, संघीयता, समावेशिता, धर्मनिरपेक्षता समाप्त करए षडयन्त्र भेल अइछ, अइस` कोनो फरक नइँ परत, आब जसपा आओर मजगुत होएत ।`
‘जसपास` भगलाहा सब जतस`आएल छलै, ओतै स्वार्थ पूर्ती हेतै, ओतै चैल गेलै कहैत पार्टीस` विकार निकललाके आब पूर्ण स्वस्थ भेल अइछ । स्वास्थ्यकर्मी फोरमका कार्यबाहक अध्यक्ष सच्चिदानन्द जयसवालके अध्यक्षतामे आयोजित उद्घाटन सत्रमे मधेश प्रदेशका मुख्यमन्त्री सरोजकुमार यादव, संघीय राज्यमन्त्री दिपक कार्की , जसपा नेपालका राजनीतिक समिति सदस्य हरिनारायण यादव, डा सुरेन्द्र यादव, प्रदेश अध्यक्ष बालकिशोर यादव, मधेश सरकारका अर्थमन्त्री संजय यादव, खेलकुद तथा समाज कल्याण मन्त्री सुरिता साह समेत सहभागी छल ।