मैथिली फिल्म ‘मिलन’ आब नेपालक हलसबमे (भिडियो)


जनकपुरधाम । भारतक विभिन्न शहरमे सफलताक किर्तिमान कायम करैत मैथिली फिल्म ‘मिलन’ आब नेपालमे सेहो जेठ २ गतेस’ प्रदर्शनमे आइब रहल अइछ ।
जेठ २ गते बुध दिन तद्अनुसार १७ मईस’ प्रदर्शनमे एबाक जानकारी निर्माण टिमद्वारा देल गेल अइछ । ई फिल्म जनकपुरधाम, लहान, विराटनगर, राजविराज सहित तराई मधेशक सिनेमा हलसबबमे प्रदर्शन कएल जाएत ।
हमर अहाँका गामसमाजक सामाजिक, सांस्कृतिक एवम् विद्यमान विविध समस्या सब पर केन्द्रित रइहके ई फिल्म निर्माण कएल गेल अइछ । मैथिली भाषामे निर्माण फिल्मसबमे फिल्म ‘मिलन’ दर्शकसबद्वारा अत्यधिक सराहना कएल जा रहल अइछ । एकर कथावस्तु, सम्वाद एवम् गीतसंगीत पक्ष सेहो बहुत मजगुत रहल अइछ ।
भिडियो :

ताजा खबर
धेरै पढिएको