
काठमाण्डू । युरोप भ्रमणमे रहल नेपालक प्रसिद्ध मिथिला चित्रकार रन्जु यादवके अन्तर्राष्ट्रीय एकल मिथिला चित्रकला प्रदर्शनी डेनमार्कके राजधानी कोपनहेगनमे आयोजना कएल गेल ।
कोपनहेगन स्थित रेस्टुरेन्ट नेपाली भान्छाके ग्यालेरीमे बैशाख २९ आ ३० गते दू दिवसीय चित्रकला प्रदर्शनी आयोजना कएल गेल छल । डेनमार्कके लेल नेपाली राजदूत प्रा.डा.रामस्वार्थ राय बैशाख २९ गते शइन दिन एक कार्यक्रमके बीच प्रदर्शनीके उद्घाटन कएने छल ।
नेपाली दुतावास डेनमार्क, एनआरएनए डेनमार्क आ रेस्टुरेन्ट नेपाली भान्छा संयुक्त रुपमे प्रदर्शनीके आयोजना कएने छल । प्रदर्शनीमे चित्रकार यादवके ३२ टा मिथिला चित्र राखल गेल छल । प्रदर्शनीमे रहल चित्रसबमे नेपालक समाज आ संस्कृतिके विविध पक्षके चित्रण कएल गेल अइछ ।
अइस’ पहिने चित्रकार यादव कोपनहेगनमे नेपाली आ भारतीय धीयापुतासबके शुक्र दिन मिथिला चित्रकलासम्बन्धी प्रशिक्षण देने छल । एनआरएनए डेनमार्कद्वारा आयोजना कएल गेल चित्रकला कार्यशालामे पचास गोटा प्रशिक्षार्थी सहभागी भेल छल । कार्यशालामे आएल अभिभावकसबके सेहो चित्रकार यादवसङ्गे मिथिला चित्र बनबए सिखने छल ।
नेपालक प्रतिष्ठित राष्ट्रीय ललितकला पुरस्कारस’ सम्मानित चित्रकार यादव ३३ दिवसीय युरोप कला यात्राके क्रममे एखन डेनमार्कमे छइथ । डेनमार्कके बाद ओ स्वीडेन भ्रमणमे जेबाक कार्यक्रम रहल अइछ । तकरबाद एनआरएनए फिनल्याण्डके आयोजनामे चित्रकार यादवके दोसर अन्तर्राष्ट्रीय एकल चित्रकला प्रदर्शनी जेठ ६ गते सम्पन्न होएत ।
अइस‘ पहिने चित्रकार यादवके अन्तर्राष्ट्रिय एकल चित्रकला प्रदर्शनी जर्मनीके फ्र्यान्कफर्ट सहरमे बैशाख ८ गते आयोजना कएल छल । नेपाली समाज जर्मनीके आमन्त्रण आ आयोजनामे चित्रकार यादवके मिथिला चित्रसबके एक दिवसीय प्रदर्शनीमे राखल गेल छल । बैशाख ६ गते युरोप यात्रामे रहल चित्रकार यादव जेठ ८ गते नेपाल घुमबाक कार्यक्रम रहल अइछ ।