
जनकपुरधाम । जादुमय कलाके कारण प्रिति पासवान देश-विदेशमे चर्चाके शिखरमे अइछ । जेहने शारिरीक बनावट आ तेहने धमाकेदार प्रस्तुतिके कारण ओ वर्तमान समयमे कतेको कलाकारके पाँछा छोइड चुकल अइछ । कोनो समय चरम गरिबी झेलैत आएल प्रितिके परिवारमे एखन खुशीयाली एवम् आर्थिक सबलता सेहो बढैत जा रहल अइछ । ओना कहल जाइ छै जे दुःखके बाद सुखके दिन अवश्य आबै छै, सएह सिद्ध भेल अइछ प्रितिके जीवनमे ।
अपन कलाकार पिताक प्रेरणास’ कला क्षेत्रमे बच्चेस’ संलग्न रहैत आएल ओ आइ-काइल्ह युवासबके चहेदा कलाकारके रुपमे चिन्हल जाइ छै । कतौ महोत्सव होय या मेला होय या अन्य बड्का कार्यक्रम, जइमे प्रितिके सम्मानपूर्वक बजाएल जाइ छै । जँ कतौ दर्शक जुटाबएके होय त प्रितिके नामे काफी भ’ जाइ छै ।
बारा जिल्ला निवासी प्रिति टिकटकस’ बेसी चर्चित चेल । टिकटक बन्द भेलाक बाद रिल इत्यादिमे देखएमे आबैत अइछ । ओना विभिन्न कार्यक्रम सबमे हुनकर माग बेसी रहै छै । पइछला समय मौलापुरमे प्रसिद्ध बलिवुड स्टार गोबिन्दासङ्गे सेहो प्रस्तुति कएने छलै । ओ सेहो प्रितिके प्रसंशा करैत प्रोत्साहित कएने छल । तइस’ पहिने प्रसिद्ध भोजपुरी स्टार पवन सिंह सङ्गे महोत्सवमे प्रस्तुति देने छल । तकरबाद प्रितिके विभिन्न म्युजिक भिडियो सबमे मोडेलके रुपमे काम करैके मौका भेटए लागल ।
देशेके व्यस्त कलाकार सबमे प्रितिके नाम आबै छै । आधा दर्जनस’ बेसी देश सबमे सेहो अपन प्रस्तुति द’ चुकल छै । आओर एकटा महत्वपूणर् बात जे जखनी प्रिति छोट रहए तइ समयमे भजन गाबै छलै । एक समय एहेन रहै जे प्रितिके स्टेजमे कला प्रस्तुति करएके मौका नइँ देल जाइत रहै ।
वर्तमानमे प्रितिके दिनचर्या बिन्दास देखल गेल अइछ । कार्यक्रममे प्रस्तुतिक अतिरिक्त म्यूजिक भिडियो, अभिनयके लेल व्यस्त रहैत देखल जाइत अइछ । यद्यपी काम सङ्गे नवनव ठामसबमे घुमफिरमे सेहो करैत रहैत अइछ । पछिला समय भारतके बनारस, बेंलोर, मुम्बई, गोआ इत्यादि ठाम सबमे घुमफिर आ मस्ती करैत तस्वीर अपन सामाजिक सञ्जालमे शेयर कएने अइछ । समुद्री किनार, पाइनक छाल, प्राकृतिक मनोरम दृष्यमे फोटो प्रिति शुट करैत नजैर आइब रहल अइछ । तस्वीरसबके फ्यान, फोलोवर्ससब अत्यधिक मन परा रहल अइछ । ओना देखलाक बाद मधेशक बेटी प्रिति बलिउडक कोनो हिरोइनस’ कम सुन्दर नइँ अइछ । बलिउल सिनेमा उद्योगमे प्रितिके सम्भावना बढैत जा’ रहल अइछ । प्रस्तुत अइछ हुनक किछ मनमोहक तस्वीरः