
जनकपुरधाम । नागरिकता कीर्ते आरोपमे अनुसन्धानके लेल पक्राउ परल कान्तिपुर मिडिया ग्रुपके अध्यक्ष कैलाश सिरोहियाके तीन दिन हिरासतमे राखल जाएत ।
जिल्ला अदालत धनुषाक इजलास नम्बर १ के न्यायाधीश चुडामन खड्का सिरोहियाके मङ्गले दिनस’ लागू होयबाक कहैत ३ दिन हिरासतमे राइखके अनुसन्धान करए पुलिसके अनुमति देल गेल अइछ । अदालतक श्रेष्तेदार कैलाश भट्टराईके अनुसार जिल्ला सरकारी वकिल कार्यालयमार्फत सिरोहियाके ५ दिन हिरासतमे राखएके लेल अदालतसँगे अनुमति माग कएल छल ।
सिरोहियाके काठमाण्डू उपत्यका अपराध अनुसन्धान कार्यालय मङ्गले दिन कान्तिपुर मिडियाके कार्यालयस’ पकैरके जनकपुरधाम लाबल गेल छल । सिरोहिया पक्राउके देशेभइर चौतर्फी विरोध भ रहल अइछ । जनकपुरधाममे सेहो पक्राउ विरुद्ध प्रदर्शन कएल गेल अइछ ।