
राजविराज । २५६८अम् बुद्ध जयन्तीक अवसर पर वृहस्पति दिन स्थानीय जानकी माध्यमिक विद्यालयद्वारा हाजिर जबाफ प्रतियोगिता आयोजन कयल गेल ।
कक्षा ६-१० तकके विद्यार्थी समिश्रित पाँच समूहक बीच कराओल गेल स्पर्धामे उत्कृष्टता प्राप्त समूह सबके पुरस्कृत कयल गेल । ओहि अवसर पर मुख्य अतिथि दलान न्यूज डट्कम्के सम्पादक अधिवक्ता पत्रकार सन्तोष कुमार चौधरी बुद्ध जयन्ती एवं हाजिर जबाफ प्रतियोगिताक सन्दर्भ पर चर्चा केलैन । महात्मा बुद्ध द्वारा प्रतिपादित चाइर आर्य सत्यक प्रसँग उल्लेख करैत ओ कहलैन जे चाइर आर्य सत्यक ज्ञान भेलासँ विद्याध्ययनक अवस्थामे आत्मविश्वासक वृद्धि हेबाक सँगे भावी जीवनके लेल सेहो सहयोगी सिद्ध भ’ सकैत अइछ ।
विद्यालयक संस्थापक प्रा.डा. चिरञ्जीवी लाल देव हाजिरी जबाफ प्रतियोगिता विद्यालयक नियमित कार्यक्रम हेवाक बतौलक । बुद्ध जयन्तीक सन्दर्भ पर चर्चा करैत साधारण व्यक्तिसँ दिव्य पुरुष बनय तकके प्रसंग उल्लेख कएलक । सिद्धार्थमे असाधारण व्यक्तित्व छलैन, कहैत ओ कहलैन जे साधारण मानवसँ महामानव आ महामानवसँ देवता बनयमे साधारणतः तीन जन्म लेब’ पडतैक, मुदा ओ एके जनममे साधारण व्यक्तिसँ उपर उइठ देवता बइन गेल । सांसारिक विकृतिकेँ त्यागैत साधनक बलसँ ओ शुद्ध भेलाह आ तदनन्तर बुद्ध कहेलक ।
कार्यक्रमक सञ्चालन शिक्षक कपिलेश्वर मण्डल आ प्रतियोगिताक सञ्चालन शिक्षक गौरव चौधरी केने छलाह । कार्यक्रममे अन्य छात्रछात्रा एवं शिक्षक गण उपस्थित छल ।