जनकपुरधाममे गद्य-वाचनक नवम् खेप 


जनकपुरधाम । मैथिली साहित्यकार सभाद्वारा संकटमोचन माध्यमिक विद्यालय जनकपुरधाममे गद्य-वाचनक नवम खेप शइन दिन सम्पन्न भेल अइछ ।
वरिष्ठ साहित्यकार वृषेश चन्द्र लालके प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित कार्यक्रममे गद्यकार/कथाकार विनोद चन्द्र झाद्वारा कथा वाचन कएल गेल । सभाक सभापाल अरविन्द कुमार यादवके अध्यक्षतामे आयोजना कएल गेल कार्यक्रममे चर्चित साहित्यकार रोशन जनकपुरी समिक्षा कएलक । कार्यक्रममे कवि परिचय पूर्व सभापाल प्रेम विदेह, स्वागत मन्तव्य देवेश्वर लाल मुन्ना, अभियान गीत मोती झा, सञ्चालन उगना शङ्कर कएने छल ।
गद्य वाचन पर प्रमुख अतिथि आ समिक्षक जनकपुरीद्वारा समिक्षा कएल गेल । साहित्यकार सभाद्वारा अइ कार्यक्रमके त्रैमासिक रुपमे निरन्तरता देल जा रहल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको