सप्तरीमे पेस्तोलसहित दू युवक पक्राउ


राजविराज । सप्तरीक ईलाका प्रहरी कार्यालय कल्याणपुरक टोलीद्वारा खडक नगरपालिका वाड नम्बर ८ भदियास’ पेस्तोलसहित दू युवककें पक्राउ कएलक अइछ ।
पक्राउ परएवालामे सप्तरीके सुरूङगा नगरपालिका वाड नम्बर ६ श्रीपुर निवासी ४५ वर्षीय बिशेश्वर प्रसाद साह आ काठमाण्डूके टोखा नगरपालिका-८ निवासी ४२ वर्षीय बिच्च बहादुर तामाङ रहल अइछ । हुनका सबके संगस’ पेस्तोल १ थान, गोली २ राउण्ड आ म्यागजिन २ थान सहित अन्य सामानसब सेहा बरामद कएल गेल अइछ ।
ईलाका प्रहरी कार्यालय कल्याणपुरस’ खटल पुलिसके टोली बोदेबर्साइनस’ बिसनपुरदिस जा रहल अवस्थामे शंका लागलापर स.६ प ५९०८ नम्बरको मोटरसाइकल चेकजाँच कएलापर हथियार, गोली सहितके सामानसब बरामद कएल गेल छल । प्रहरी हिरासतमे रहल दुनू गोटाके विषयमे थप अनुसन्धान भ रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरीद्वारा जानकारी देल गेल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको