
राजविराज । जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवद्वारा १७अम् गणतन्त्र दिवसके अवसरमे शुभकामना व्यक्त कएल अइछ ।
मंगल दिन शुभकामना सन्देश जारी करैत ओ स्वदेश तथा विदेशमे रहल नेपाली जनतामे बधाई तथा शुभकामना व्यक्त कएने छइथ । सङ्घीय लोकतान्त्रिक, गणतन्त्र प्राप्तिक आन्दोलनमे अपन जीवन बलिदान करैवाला सम्पूणर् अमर शहीदहरूप्रति भावपूणर् श्रद्धाञ्जली अर्पण करैत ओ बेपत्ता भेलप्रति उच्च सम्मान आ घाइल तथा अपाङ्गता भेल वीर योद्धासबहक शीघ्र स्वास्थ्यलाभके कामना कएने छइथ ।
शुभकामना सन्देशमे आँगा कहल गेल अइछ ‘आजुक अइ ऐतिहासिक दिनमे सङ्घीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्रात्मक शासन व्यवस्थाके माध्यमसँ देशमे समृद्धि, सुशासन, सामाजिक न्याय आ समाजवाद प्राप्तिक यात्रामे अग्रसर होबए प्रेरणा मिलौ से शुभेच्छासहित हार्दिक शुभकामना व्यक्त करै छी ।’