
जनकपुरधाम । कान्तिपुर मिडिया ग्रुपके अध्यक्ष कैलाश सिरोहियाके हेलिकोप्टरस’ मंगल दिन काठमाण्डू ल गेल अइछ ।
स्वास्थ्यमे थप समस्या एलाक बाद हुनका काठमाण्डू ल जेबाक लेल चिकित्सक सुझाव देलाक बाद हुनका काठमाण्डू ल गेल अइछ । सिरोहियाके ईलाजके लेल मेडिसिटी अस्पताल भर्ना कएल गेल जनाओल गेल अइछ । नागरिकता सम्बन्धी कसुरमे पक्राउ परल हुनका स्वास्थ्यमे समस्या देखलाक बाद जनकपुरधाम स्थित काब्या अस्पतालमे राइखके ईलाज भ रहल छल ।
सिरोहियाले नागरिकता दुरुपयोग कएलाक आरोपमे वैशाखके तेसर सप्ताहमे प्रहरीमे जाहेरी परल छल । ओही जाहेरीके आधारमे हुनका प्रहरी पक्राउ कइरके कार्वाही प्रक्रिया अगाडि बढाओने छल । तस्विरः घनश्याम मिश्र /जनकपुरधाम