तराई-मधेशमे अत्यधिक गर्मी, सतर्कता अपनाबए आग्रह


जनकपुरधाम । तराई मधेशके जिल्लासबमे चरम गर्मीके कारण जनजीवन प्रभावित होइत आइब रहल अइछ ।
पैछला एक हप्ता एम्हर अत्यधिक रौद आ गरम हावाके कारण खास कइरके धीयापुता, वृद्ध, अशक्त एवम् दिर्घरोगी सबमे बेसी असर देखल गेल अइछ । औषतमे दिनमे तापक्रम ४० डिग्री पाओल गेल अइछ । कहियो काल प्रायः ४० डिग्रीस’ उपर तापक्रम मापन कएल गेल अइछ ।
अत्यधिक गर्मीके कारण १२ बजेस’ ४ बजेधैर बजारके सडकमे सर्वसाधारणके आवतजावतमे कमी देखल गेल अइछ । बजारके चौकसबमे पेय जलके व्यवस्थापन कएल जा रहल अइछ ।
मौसम पूर्वानुमान महाशाखाद्वारा बुध दिन जारी विशेष बुलेटिन अनुसार अत्यधिक तापक्रमके क्रम तीन दिनधैर रहत । सुदूरपश्चिम आ लुम्बिनी प्रदेशके तराई भूभागके स्थानसबमे आगामी ३ दिनधैर गरम हावा आ गर्मीके लहरके सम्भावना रहल मौसमविद्के अनुमान अइछ । गर्मीके असरस’ बचै खातिर आवश्यक सतर्कता अपनाबए सेहो महाशाखा आग्रह कएलक अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको