मुख्यमन्त्रीद्वारा जमुनी सिचाई आयोजना निरीक्षण


जनकपुरधाम । मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव आइ जमुनी सिचाई आयोजना अन्तर्गत मोरहा पक्की बान्हके स्थलगत निरीक्षण कएलक अइछ ।
प्रदेश सरकारक लगानीमे समपुरक अनुदान अन्तर्गत हंसपुर नगरपालिका वाड नम्बर ४ आ ९ मोरहामे निर्माणाधिन आयोजनाके सतर्कता केन्द्रक टोली सहित मुख्यमन्त्री यादवद्वारा स्थलगत निरीक्षण कएल गेल अइछ । २२ करोड ५३ लाख २३ हजारके कुल लागतमध्ये १० करोड ७४ लाख ५४ हजार ८६६ रुपैयामे ठेक्का साकार भ कए निर्माणाधिन पक्की बाँधके काम समयमे पुरा नइँ होयबाक सम्भावना देखलाक बाद मुख्यमन्त्री अपनेस’ निरीक्षण कएलक अइछ ।
निरीक्षणके क्रममे मुख्यमन्त्री यादव बान्ह निर्माण काजके तिब्रता देबए ठेक्केदार कम्पनीके निर्देशन सेहो देल गेल अइछ । ११ सौ ६८ हेक्टर कृषि योग्य भूमि सिंचित होयबाला उक्त पक्की बान्हस’ १० गामके १६ सय ५० घर परिवार लाभान्वित होयबाक लक्ष्य रहल अइछ ।
निरीक्षणको क्रममा संघीय साँसद राम कृष्ण यादव, अनिता साह प्रदेश सांसद रामअशिष यादव, सतर्कता केन्द्रका सचिव राम आधार साह सहितका टोली एवम् सम्बन्धित मन्त्रालय तथा कार्यालयके प्रतिनिधि सबहक सहभागिता रहल छल ।
बान्हके निरीक्षण पश्चात स्थानीयबासी सबके सम्बोधन करैत मुख्यमन्त्री यादव कृषिक विकास बिना मधेशको विकास सम्भव नइँ रहल मधेश सरकार कृषि सम्बन्धित आयोजनासबके प्राथमिकतामे  राखल गेल बतौलक । तहिना मुख्यमन्त्री यादव आ प्रदेश सांसद राम अशिष यादव प्रदेश सरकारके एक क्षेत्र पाँच किलोमिटर पक्की आयोजना अन्तर्गत धनुषा निर्वाचन क्षेत्र नं. २ ख मे निर्माणाधिन कप्टौल, झिटकैया, तिसियाही होइत मधुकरहीधैरके सडकके स्थलगत निरीक्षण सेहो कएलक अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको