वीर योद्धा लोरिक


आर नरेश शर्मा

यादव वीर लोरिक क ई मुर्ति स्थापित अछि लोरिक डीह(केंगरा डीह), बन्डिहुली गाम में. ई ऐतहासिक गाम अवस्थित अइछ दरभंगा जिला क बहेड़ी प्रखंड के इनाई पंचायत में ।

एहि गाम के नजदीक अछि प्रसिद्ध “नरसर” चअर जाहि ठाम वीर लोरिक आ हावीडीह के राजा हरबा बघबा के युद्ध भेल रहै । एहि चअर में एखनो दूटा गाछ छै जकरा शायद “अहेर बहेर” के गाछ कहल जाय छै जाहिमें लोरिक अपन घोड़ा के बान्है छलाह ।

केंगरा डीहक माटी एखनो लाल छै । युद्ध में जे रक्तपात भेलै ताहि सं ई धरती लाल भ गेल छै । एहि डीह पर लोरिक “बंठा वीर(बंठा चमार)” के संग रहै छलाह आ युद्धक तैयारी करै छलाह ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको