मधेशः दफाबार छलफलमे दूटा विधेयक


जनकपुरधाम । मधेश प्रदेश सभाक मंगल दिनक बैठकस’ दूटा विधेयक दफावार छलफले लेल विषयगत समितिमा पठाओल जेबाक सर्वसम्मत निणर्य कएल गेल अइछ ।
प्रदेश सभाके तेसर अधिवेशनके दोसर बैठकमे प्रदेश कृषि विकास सम्बन्धमे व्यवस्था करए बनल विधेयक, २०८० आ बाल अधिकार ऐन, २०७७ के संशोधन करए बनल विधेयक दफावार छलफलके लेल सम्बन्धित समितिमे पठेबाक निणर्य भेल अइछ ।
प्रदेश सभा बैठकमे भूमि व्यवस्था, कृषि तथा सहकारी मन्त्री गोविन्दबहादुर न्यौपानेके दिसस’ खेलकुद तथा समाज कल्याणमन्त्री सुरिता कुमारी साह प्रदेश कृषि विकास सम्बन्धमे व्यवस्था करए बनल विधेयक, २०८० आ बाल अधिकार ऐन, २०७७ के संशोधन करए बनल विधेयक दफावार छलफलके लेल समितिमे पठाओल जेबाक प्रस्ताव प्रस्तुत कएने छल ।
प्रस्तुत दुनू प्रस्तावके पक्षमे सर्वसम्मत निणर्य भेल जानकारी सभामुख रामचन्द्र मण्डल प्रदेश सभा बैठकमे जानकारी कराओने छल । दोसर बैठक बुध दिन ३ बजे आह्वान कएल गेल जनाओल गेल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको