
जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशक नव मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंहके सिफारिसमे मधेश प्रदेश सरकारमे मन्त्री परिषद्के पूणर्ता देल गेल अइछ ।
नव नियुक्त मुख्यमन्त्री सिंह सहित १० गोटा मन्त्रीसबके प्रदेश प्रमुख सुमित्रा सुवेदी भण्डारीद्वारा पद तथा गोपनीयताके शपथ ग्रहण कराओल गेल अइछ । मधेश भवनमे आयोजित समारोहमे पद तथा गोपनीयताके शपथ ग्रहण समारोहमे कार्यक्रममे भौतिक पूर्वाधार विकास मन्त्रीमे सरोज कुमार यादव, अर्थमन्त्रीमे भरत प्रसाद साह, भूमि व्यवस्था, कृषि तथा सहकारी मन्त्रीमे गोविन्द बहादुर न्यौपाने, उद्योग वाणिज्य तथा पर्यटन मन्त्रीमे युवराज भट्टराई, शिक्षा तथा संस्कृति मन्त्रीमे राज कुमार लेखी रहल अइछ ।
स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या मन्त्रीमे शत्रुधन प्रसाद सिंह, ऊर्जा, सिँचाइ तथा खानेपानीमन्त्रीमे बेची लूगेली, खेलकुद तथा समाज कल्याण मन्त्रीमे प्रमोद कुमार जयसवाल, गृह, सञ्चार तथा कानून मन्त्रीमे मविमला अन्सारी आ श्रम तथा यातायातमन्त्रीमे उर्मिला चौधरीले शपथग्रहण कएलक अइछ । तहिना प्रदेश प्रमुख भण्डारीके उपस्थितिमे राज्यमन्त्री सबमे केशव राय स्वास्थ्य तथा जनसङ्ख्या, शारदा देवी थापा, शिक्षा तथा संस्कृति रञ्जु कुमारी मण्डल खङ्ग नव नियुक्त राज्यमन्त्री सबके मुख्यमन्त्री सिंह पद तथा गोपनीयताके शपथ ग्रहण करौलक ।