
जनकपुरधाम । जनता समाजवादी पार्टी नेपालक एकता राष्ट्रिय महाधिवेशनक तैयारी अन्तिम चरणमा पहुँचल अइछ ।
जनकपुरधाममे जेठ २८ गतेस’ सुरु होयबाला एकता महाधिवेशनके तैयारी अन्तिम चरणमे पहुँचल आ आमन्त्रित सहभागीसब एबाक क्रम शुरु भ चुकल अइछ । महाधिवेशनमे मलेसिया, अजरबैजान, स्पेन आ इण्डानेसिया सहितके देशसबस’ किछ अतिथि काठमाण्डू आइब गेल अइछ त किछ एबाक क्रममे रहल अइछ ।
तहिना भारतस’ आबएबाला अतिथिसब बिहारके दरभंगा आएत आ ओतयस’ जनकपुरधाम एबाक क्रममे रहल जसपा नेपालक विदेश विभाग प्रमुख अर्जुन थापाद्वारा जानकारी देल गेल अइछ । मलेसियाके डेमोक्रेटिक एक्सन पार्टीके युवा नेता नुर रहिम बिन निसार, भारतीय समाजवादी पार्टीक नेता एवम् सामाजिक चिन्तक डा.सुनिलम महाधिवेशनमे अतिथिको रूपमे रहत । अहि महाधिवेशनमे स्पेनिस सोशलिस्ट वर्कर पार्टीके अन्तर्राष्ट्रिय संयोजक रिकार्ड टोरेल, भारतके सोशलिस्ट पार्टीक प्रवक्ता मनिस सिंह, राष्ट्रिय जनता दलक प्रवक्ता आलोक मेहता, भारतीय कांग्रेसक नेता बीआर पाटिल आ ओही पार्टीके प्रवक्ता उदित राज अतिथिको रूपमा रहत ।
थापाद्वारा देल गेल जानकारी अनुसार अजरबैजान पार्टीक सांसद स्माइलोभ शाहिन, प्रोग्रेसिभ एलाइन्स आ सोसल डेमोक्रेटिक एलाइन्सका प्रतिनिधि सेहो महाधिवेशनमा एबाक बताओल गेल अइछ । बताइएको छ । चिनियाँ कम्युनिस्ट पार्टीद्वारा महाधिवेशनके सफलताके लेल शुभकामना सन्देश पठाओल गेल अइछ ।
जसपा नेपालस’ अलग भेल अशोक राई नेतृत्वके जसपाबाहेक कांग्रेस, एमाले, माओवादी केन्द्र, लोसपा नेपाल, राप्रपालगायतके दलके सेहो आमन्त्रित कएल गेल अइछ । प्रेस मञ्च नेपालद्वारा शनि दिन पत्रकार सम्मेलनमे पार्टीक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवद्वारा महाधिवेशन तैयारीके सन्दर्भमे जानकारी देल गेल छल ।