वैचारिक मन्थन हेतु राजविराजमे विचार उत्सव


राजविराज । सप्तरी जिलाके समग्र विकास हेतु विचार मन्थनके आवश्यकता महशुष करैत राजविराजमे शुक्र दिनस’ विचार उत्सव शुभारम्भ भेल अइछ ।
कोनो समय विकास, समृद्धि एवम् वौद्धिक जिलाके रुपमे रहल अइ जिलामे पैछला किछ दशक एम्हर अपेक्षाकृत आगू बइढ नइँ सकल तथ्य स्वीकार करैत विचार उत्सव आयोजन कएल गेल अइछ । दू दिनधैर चलएवाला उत्सवमे उद्घाटन सत्रके सहभागीहरुसब नीति निर्माण तहमे रहल व्यक्तिसबके नजैरमे नइँ परल कहैत आक्रोश व्यक्त कएल गेल ।
कार्यक्रमम वरिष्ठ रानीतिज्ञ खुशीलाल मण्डल सप्तरीके इतिहास आ धरोहर विषयमे विचार व्यक्त कएलक । विकास, शिक्षा, राजनीति एवं संस्कृतिमे देखल गेल समस्यासबके उजागर एवम् समाधान खोजए अलग अलग १५ टा विषयगत शत्रसब राखल गेल अइछ ।
उत्सवके आयोजक वीणा फाउन्डेसन सप्तरी, छिन्नमस्ता गाउँपालिका, राजविराज नगरपालिका आ सप्तरी युथ सह-आयोजक रहल अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको