उपनिवेशमे अपन बोली नइँ होइ छै, मास्टरके बोली होइ छैः महन्थ ठाकुर


काठमाण्डू । लोकतान्त्रिक समाजवादी पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर मधेश एखनो नेपालके आन्तरिक उपनिवेशके अवस्थामे रहल बतौलक अइछ ।
प्रतिनिधिसभामे मंगल दिन मन्त्रालयगत बजेट उपर छलफलमा भागमे भाग लेबाक क्रममे बाजैत ओ एहन बात बतौलक । अध्यक्ष ठाकुर कहलक ‘मधेश त एखनो नेपाल राज्यके आन्तरिक उपनिवेश बनल छै, उपनिवेशके अपन बोली नइँ होइ छै, अपन भाषा नइँ होइ छै, अपन व्यक्तित्व नइँ होइ छै, मास्टरके जे बोली होइ छै, वएह ओइ ठामके बोली होइ छै, वएह जनताके बोली होइ छै, उपनिवेशके बोली नइँ सुनइ छै’ हमसब जतय जाएब, जे बाजब, हमरा सबहक बोली महत्व नइँ होइ छै, हमरा सबहक हालत ओहने अइछ ।’
मधेश आन्दोलनक नेतासब अभिराम शर्मा, रामशंकर मिश्र, सुरेश पाण्डे, धर्मेन्द्र रायलगायतके अदालत जेल सजाय सुनेलक कहैत ठाकुर नेपाल राज्यके चरित्र जँका छै, अदालतमे  सेहो तेहने देखल गेल बतौलक । नेपालमे पुरना सब पार्टी हथियारे उठाकए आएल अइछ, माओवादी सेहो जनयुद्ध क कए आएल अइछ, यद्यपी मधेश आन्दोलनके सहभागीसब मात्र मुद्दा झेल रहल नेता ठाकुर प्रश्न उठौलक ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको