नीति तथा योजना आयोगके उपाध्यक्षमे डा. सोहन नियुक्त


जनकपुरधाम । धनुषाक जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका १ निवासी सोहन साह मधेश प्रदेश सरकारक नीति तथा योजना आयोगके उपाध्यक्ष पदमे नियुक्त भेल अइछ ।
मुख्यमन्त्री सतिश कुमार सिंह बृहस्पैत दिन आयोगको उपाध्यक्षमा नियुक्त कएलक अइछ । तत्कालीन मुख्यमन्त्री सरोज कुमार यादव आयोगके उपाध्यक्षमे डा. नथुप्रसाद चौधरीके नियुक्त कएने छल ।गरेका थिए । एखन जनमत पार्टी नेतृत्वमे मधेश प्रदेश सरकार गठन भेलाक बाद चौधरीकें पदमुक्त कइरके डा. साहके आयोगके उपाध्यक्षमे नियुक्त कएलक अइछ ।
आयोगके अध्यक्ष मुख्यमन्त्री रहबाक कानूनी व्यवस्था रहल अइछ । आयोगके सदस्यमे डा. हरि शंकर प्रसाद साह, डा. शिला मिश्र, रामचन्द्र पण्डित आ बज्रकिशोर यादव रहल अइछ ।
अइस’ पहिने जनता समाजवादी पार्टीके नेतृत्वमे रहल सरकारमे जनमत पार्टी सहभागी छल । ओही समयमे डा. साहके सदस्यमे नियुक्त कएल गेल छल । जनमत सरकारके समर्थन फिर्ता लेलाक बाद हुनका सदस्य पदस’ मुक्त कएल गेल छल ।
डा. साह कुशल अनुसन्धानकर्ता, चिन्तक, विश्लेशक सेहो छइथ । ओ जेएनयुस’ छात्रबृतिमे पीएचडी अर्थात विद्यावारिधी कएने छइथ । हुनका देशेके क्षमतावान वौद्धिक यूवाके रुपमा चिन्हल जाइछ अइछ ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको