आश्रममे कएलक २१ जोडी कएलक दहेजमुक्त विवाह


जनकपुरधाम । धनुषा जिलाक मिथिला नगरपालिका वाड नम्बर-२ बेलाचापीके सतलोक आश्रममे २१ जोडीले सामूहिक दहेजमुक्त अन्तरजातीय विवाह कएलक अइछ ।
सन्त रामपालके सतलोक आश्रममे कबिर परमेश्वरके ६२७अम् प्रकट दिवसको अवसरमे आयोजना कएल गेल समारोहमे शुक्र दिन २१ जोडीके सामूहिक विवाह भेल अइछ । गुरुवाणीद्वारा २३ करोड देवीदेवताको स्तुति करैत रमैणी मन्त्र उच्चारणके साथ १७ मिनेटमे सामूहिक विवाह कराओल गेल अइछ ।
सन्त रामपालका अनुयायी ईश्वरदत्त भट्टके अनुसार समय समयमे आयोजन होयबाला महोत्सव एवम् समारोहमे ओइठाम दहेजमुक्त विवाह होइत आइब रहल अइछ ।
कार्यक्रममे मधेश प्रदेशक सभामुख रामचन्द्र मण्डल, मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह सहित विशिष्ठ व्यक्तित्व सबहक उपस्थिति रहल छल ।

ताजा खबर
धेरै पढिएको