
जनकपुरधाम । मधेश प्रदेश सरकार आर्थिक वर्ष २०८१/०८२ के लेल सञ्चार क्षेत्रमे करिब पौने चाइर करोड बजेट विनियोजन कएलक अइछ ।
चाल आर्थिक वर्षके तुलनामे आगामी वर्षके लेल विनियोजित बजेटमे वृद्धि भेल अइछ ।
गृह, सञ्चार तथा कानुन मन्त्रालय अन्तर्गत सुरक्षा तथा विपद् सम्बन्धी जनचेतनामूलक कार्यक्रम प्रशारण प्रकाशनमे रु. २० लाख, मधेश प्रदेशमे रहल टेलिभिजनसबस’ मधेश प्रदेश सरकारके काजसबके प्रशारण तथा जनचेतनामूलक विज्ञापन प्रशारणमे रु. २० लाख, मिडिया काउन्सिलके मिडिया काउन्सिल कोषमे रु. एक करोड ५० लाख विनियोजन कएल गेल अइछ ।
तहिना आमसञ्चार प्राधिकरण मार्फत पत्रकार सबहक स्वास्थ्य तथा दुर्घटना बीमाके लेल रु. ३० लाख, प्रेस प्रतिनिधि परिचयपत्रमे १० लाख, आमसञ्चार प्राधिकरण कोषमे रु. ८५ लाख ७४ हजार, लोककल्याणकारी विज्ञापनके लेल रु. ७० लाख समेत कइरके ३ करोड ८५ लाख ७४ हजार रुपैया सञ्चार क्षेत्रके लेल विनियोजना कएल गेल छल ।
गत वर्ष मधेश प्रदेश सरकारद्वारा प्रस्तुत कएल गेल बजेटमे आमसञ्चार प्राधिकरण आ मिडिया काउन्सिलके २५/२५ लाख रुपैया आ लोककल्याणकारी विज्ञापनके लेल ५० लाख रुपैया उपलब्ध कराओल गेल छल । एम्हर लोककल्याणकारी विज्ञापनके लेल विनियोजित बजेट कम भेलप्रति मुख्यमन्त्री मा. सतिश कुमार सिंह, अर्थमन्त्री मा. भरत प्रसाद साहज्यू आ गृह, सञ्चार तथा कानुनमन्त्री बिमला अन्सारी तरन्नुम बजेट थप करबाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएने छइथ ।