
जनकपुरधाम । मधेश प्रदेशका मुख्यमन्त्री सतिशकुमार सिंह वर्तमान सरकार ‘मिडिया फ्रेन्डली’ रहल कहैत आवश्यक बजेट थप करबाक प्रतिवद्धता व्यक्त कएलक अइछ ।
समाजवादी प्रेस संगठन धनुषाद्वारा आयोजना कएल गेल ‘समाजवाद आ प्रेस स्वतन्त्रता’ विषयक अन्तरक्रिया कार्यक्रमके सम्बोधन करैत ओ एहन प्रतिवद्धता व्यक्त कएलक ।
मुख्यमन्त्री सिंह बजेट विनियोजन भेल त्रुटी सचियाओल जेबाक बात कहैत ओ सरकार बनल आठे दिनमे बजेट लाबलौं, बजेटमे कर्मचारीद्वारा गडबडी भेल होयबाक विचार व्यक्त कएलक । लोककल्याणकारी विज्ञापन, पत्रकारको बीमा आ खोजपत्रकारिताके लेल बजेट विनियोजन कएल गेल कहैत लोककल्याणकारी विज्ञापनके बजेट कम रहलाक कारणें थप करबाक प्रतिवद्धता मुख्यमन्त्री सिंह कएलक ।
कार्यक्रममे मुख्यमन्त्री सिंह आयोजकद्वारा राखल गेल कार्यक्रमक ब्यानरके नाराप्रति आपत्ति जनाओल गेल छल । जनमत पार्टीक दिसस’ मुख्यमन्त्री बनल सतिश कुमार सिंह नेतृत्वक सरकार गत असार १ गते आगामी आर्थिक वर्षक लेल ४३ अर्ब ८९ करोड २१ लाख ७० हजार रूपैयाके बजेट प्रस्तुत कएने छल ।